चाँद सन कनियाँ पुतोहु दुलहिनिया
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
चाँद सन कनियाँ पुतहु दुलहिनिया
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
पहिने जे देखली अपन सासु
पहिने जे देखली अपन सासु
कनियाँ के देख कऽ निहाल
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
तखन देखथु गोतनो सहोदर
तखन देखथु गोतनो सहोदर
मणिक सौसें लुटाय
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
तखन देखथु नन्दो सुनारिया
तखन देखथु नन्दो सुनारिया
बढ़िया सं नैना टिकाऊ
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
तखन देखथू पास पड़ोसिन
तखन देखथू पास पड़ोसिन
शुभ घड़ी परीछ कर लाऊ
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
हे सुनय जाऊ,
शुभ खड़ी मुहमा देखाऊ...
स्वर: सवर्ण लता झा
गीतकार: सवर्ण लता झा, चन्दमणि झा
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !