शुक्रवार, 26 दिसंबर 2025

भैया भौजी सं करियो विचार लीरिक्स । मोख छेकाई गीत - Bhaiya Bhauji Sa Kariyau Bichar

भैया भौजी सं करियो विचार
रुपया हम नैहिए लेबै

कागजक रुपया तऽ उठि पुठि जेतै
कंगना तऽ रहतै निसान
रुपया हम नैहिए लेबै
भैया भौजी सं करियो विचार
रुपया हम नैहिए लेबै

नहीं लेब रुपया बहिन साड़ी तऽ लिअ -2
भईया के राखु अहाँ मान
साड़ी अहाँ लए लिअ
इ साड़ी अहाँ लए लिअ -3

सूतक साड़ी भैया फाटि ताटि जेतै
हार मोरा रहतै निसान
इ साड़ी हम नहिए लेबै-3 

नीक घर बर देख ब्याह करायब -2
जिनगी भैर लैत रहब नाम
बहिन अहाँ राखुनि मान -3

एहन ओहन घर भैया हम नै बियाह करब
डॉक्टर इंजीनियर गुलाम
तऽ कहु भैया किछ नै लेबै -2
भैया भौजी सं करियो विचार
रुपया हम नैहिए लेबै
भैया भौजी सं करियो विचार
रुपया हम नैहिए लेबै

स्वर: स्वर्ण लता झा, हरि नाथ झा
गीतकार: सवर्ण लता झा, चन्दमणि झा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !