रविवार, 28 दिसंबर 2025

दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनिया लिरिक्स - Dulha Kathu Ne Payab Aihan Kaniya

दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ
एहन कनियाँ, यौ एहन कनियाँ
दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ

कमल मुखी अति कोमल किसलय
रचलनी विधना बड़ारे जतन कए
गोर भुभुक मन-मोहनियाँ
दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ

चान बदन दुनु नयन तरेगन
दांत अधर बीच फुटल खुशम सन
कोकिल कण्ठ कतेक गुणयाँ
दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ

तन्नूक ततेक जतेक लजकोटर
बाजब मधुर चलब बड़ सुंदर
छुन छुन पायरक पैजनिया 
दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ

सैंतल सिया सन दिया रे मनोहर
दान कएल हम अपन धरोहर
मान बढ़ाओत लक्ष्मीनिया
दुल्हा कतहुँ ने पायब एहन कनियाँ

गायक - सवर्ण लता झा
गीतकार - चंद्रमणि झा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !