शनिवार, 15 अप्रैल 2017

जखन उनल राजा दशरथ राम जनम लेल रे लिरिक्स - राम जन्म सोहर

जखन उनल राजा दशरथ राम जनम लेल रे। 
पुरब जनम सुधि आयल जनम सुफल भेल रे।। 

कखन देखब हम बालक हृदय जुड़ायत रे। 
राखल रघुकुल लाज कि राज लुटायब रे ।। 

एहन अनुप रूप बालक कहाँ हम पायब रे। 
मोरा घर अयलनि ब्रह्म कि प्राण जुड़ायब रे ।

धनि-धनि अवध नरेश एहन सुत पाओल रे।
लतिकासनेह के मनोरथ विधना पुराओल रे ।। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !