शुक्रवार, 14 अप्रैल 2017

गोर लागु पैर पडु नगरक आइ-माइ लिरिक्स - राम जन्म सोहर

Gor Lagu Pair Padu Nagarak Aai Maai

गोर लागु पैर पडु नगरक आइ-माइ 
बचबा के दिअउ आशिर्वाद हे। 

बूढ़ बयसमे एहन सुत पाओल 
कोखिया के छल मोर भाग हे। 

आइ सफल भेल हमरो मनोरथ 
आइ भेल अवध सनाथ हे। 

एहि पुत लागि हम जप-तप कयलहुँ 
पूर्व जनम भेल याद हे। 

लतिकासनेह बाबू के नजरि न लागय 
एहो छथि त्रिभुवन नाथ हे।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !