अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
14 अप्रैल 2017
Home
/
Snehlata Maithili Geet
/
Sohar Geet Lyrics
/
साँचे आइ हम तोर रिनि हे, सुनु मोर दगरिनि लिरिक्स
साँचे आइ हम तोर रिनि हे, सुनु मोर दगरिनि लिरिक्स
Sanche Aai Ham Tor Rini He Lyrics
साँचे आइ हम तोर रिनि हे, सुनु मोर दगरिनि ।
पुरुब जनम केर एहो छल मँगनी
एहि रूप लागि भेल छल भिखमंगनी
पैर आइ तोहर सगुनिया हे सुनु०
हम शतरूपा, पति मनुजी के भेषबा
दुनू तप कैल एहो बेटा के उदेसबा
देने छला हमरो वचनिया हे सुनु०
प्रथम लगाय दिअड अँखिया मे कजरा
केओ ने लगाबय आबि बबुआ के नजरा
टोनमा न मारे बैरिनिया हे सुनु०
लतिकासनेह पुछू जुनि बतिया
काटि देल कोमल पुरैनिया हे सुनु०
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/gor-lagu-pair-padu-nagarak-aai-maai.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/janak-nagar-sa-chalali-he-sita-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !