Sanche Aai Ham Tor Rini He Lyrics
साँचे आइ हम तोर रिनि हे, सुनु मोर दगरिनि ।
पुरुब जनम केर एहो छल मँगनी
एहि रूप लागि भेल छल भिखमंगनी
पैर आइ तोहर सगुनिया हे सुनु०
हम शतरूपा, पति मनुजी के भेषबा
दुनू तप कैल एहो बेटा के उदेसबा
देने छला हमरो वचनिया हे सुनु०
प्रथम लगाय दिअड अँखिया मे कजरा
केओ ने लगाबय आबि बबुआ के नजरा
टोनमा न मारे बैरिनिया हे सुनु०
लतिकासनेह पुछू जुनि बतिया
काटि देल कोमल पुरैनिया हे सुनु०
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !