...
🕉️
✨ आगामी त्यौहार
माह शिवरात्रि
📅 11 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब अहाँ सब मिथिलावासी लेल नबका वेबसाइट पूर्ण रूपे तैयार अछि, आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

12 दिस॰ 2025

नूतन वसन पिताम्बर, कटि कस पावन हे लिरिक्स

नूतन वसन गीत

नूतन वसन पिताम्बर, कटि कस पावन हे। 
पीत जनेऊ सुमंगल परम सुहावन हे।। 

अलिगन कहि मृदु वचन करथि परतारन हे। 
जकिकरू लाल मनावन उठिकरू धारन हे।। 

विहँसि कहल एक नारी ललन करू लाजन हे। 
छाडू कुलक निज रीति तखन करू चायन हे।। 

लखि पुरहित असमंजस देल अनुशासन हे। 
उठि उठि पहिरल वस्त्र हरष हिय लालन हे।। 

स्नेहलता हँसि कहथिन कयल विचारन हे। 
अहाँ मानल विप्रक बात अवश किछु कारण हे।।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »