अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 फ़र॰ 2022
Home
/
Chandramani Jha
/
Samdaun Geet
/
रगड़ि-रगड़ि उबटन धिया सेवल लिरिक्स - Ragadi Ragadi Ubatan Dhiya Sewal Lyrics
रगड़ि-रगड़ि उबटन धिया सेवल लिरिक्स - Ragadi Ragadi Ubatan Dhiya Sewal Lyrics
समदाओन / चन्द्रमणि
रगड़ि-रगड़ि उबटन धिया सेवल
सेहो करेज लगाय
बाँहिक पलनहिं झुलना झुलाओल
सेहो धिया चलि जाय।
फूल फुलायल देखितो मलिनियाँ
दहो-बहो नोरे दहाय
कतेक मनोरथ मनहि जोआओल
सबटा संगहि संग जाय।
हिचुकि-हिचुकि धिया चुप नहि भए रह
आंगन कानथि माय
डोलिया उठाय आगू बढ़ल कहरिया
अहिना युगक युग जाय।
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2022/02/maithili-litterateur-lily-ray.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/02/babaji-ke-bagiya-me-kusum-phul-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Chandramani Jha,
Samdaun Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !