बुधवार, 28 दिसंबर 2016

Maithili Poem | मैथिली कविता : मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै !

पाहून-परक केर सत्कार कहाँ छै,
खान-पानक ना-ना प्रकार कहाँ छै।
बैसार करैत ओ दलान कहाँ छै,
चौक-चौराहा, थैर-बथान कहाँ छै।
फगुआ मे ओ रंग कहाँ छै
धिया-पुता मे ओ उमंग कहाँ छै।
आब राम-सीता केर ओ नाम कहाँ छै,
आब मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै!
© प्रभाकर मिश्रा 'ढुन्नी'

आमक गाछी मे मचान कहाँ छै,
मांछ-भात, पान, माखन कहाँ छै।
तिलकोर,  बड़ी - अदौड़ी कहाँ छै,
पौती, सिक्की, मौनी कहाँ छै।
पाग, जनेऊ, खराम कहाँ छै,
आब मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै!

कनियाँ-पुतरा के खेल कहाँ छै,
आम, जामुन आ बेल कहाँ छै।
सामा-चकेबा के रीत-रिवाज कहाँ छै,
पराती गावैत ओ अवाज कहाँ छै।
भोरे उठी माँ-पिता के प्रणाम कहाँ छै,
आब मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै!
© प्रभाकर मिश्रा 'ढुन्नी'

सखी-बहिनपाक हँसी ठिठोली कहाँ छै,
चोर-सिपाही, आँखि-मिचोली कहाँ छै।
भार-भरिया, डोली-कहार कहाँ छै,
धार-पोखैर ओ ईनार कहाँ छै।
आब बाड़ी मे ओ लताम कहाँ छै,
आब मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै !

पमरिया केर ओ नाच कहाँ छै,
उखैर-समाठ आ जांत कहाँ छै।
जट-जटिन के खेल कहाँ छै,
भाई-भाई मे आब मेल कहाँ छै।
सुंदर अपन मिथिला धाम कहाँ छै,
आब मिथिला मे ओ गाम कहाँ छै!
© प्रभाकर मिश्रा 'ढुन्नी'

Tags : # Kavita Poems

बुधवार, 21 दिसंबर 2016

मैथिली जोक्स : फेकन भाई पहिल बेरा मोबाइल लेला !

■ : फेकन भाई पहिल बेरा मोबाइल लेला। प्रीपेड सिम के साथ पता चलल की जे अकरा रिचार्ज करबय परय छय बात करबाक लेल। तऽ ओ रिचार्ज वाला दोकान पर गेला और कहलखिन 10 रुपया के रिचार्ज के दे! 
दोकांनवाला-10 रुपया मे 7 रुपया भेटत
फेकन भाई- कोनो बात नय 3 रुपया के नमकीन दऽ दे!


■  : भौजी प्रणब भैया के कहै छथिन,
भौजी - हे यौ सुनै छियै ?
प्रणब भैया - की कहबै तखन न सुनबै ?

भौजी - पहिंल सालगिरह में अहाँ लोहाक् बनैल पलँग गिफ्ट में देने छेलौ, एहि बेरक् सालगिरह में की देब?
प्रणब भैया- अहि बेरक् सालगिरह मे ओय लोहाक् पलँग मे करेंट लगबै के प्लानिंग कऽ रहल छी।


एहो पढ़ब:-

■  : मास्टर - बताऊ बौआ सब
बिजली कत्ता सँ आबय छय ?
बच्चा - यो मास्टर साहेब हमरा नानी गाम सँ...
मास्टर - से केना बुझलिये ?
बच्चा - जखन लाइट जाई छय तऽ पप्पा कहय छथिन ...सार सब फेर सँ काइट देल्कय !!

एहो पढ़ब:-

■  : राजेश भैया दरभंगा सँ एगो अपना लेल बढ़िया रंगक शर्ट कींन केर अनलैथ-
देखु भौजी केहन भैया के तारीफ करै छैन-
भौजी- हे यौ इ शर्ट अहाँ पर बड्ड खुलैय अछि।
भैया - हां सही में!
भौजी - हां यौ, बड्ड नीक शर्ट लागै अछि ।
भैया - अच्छा! अहाँ कतबो चापलूसी कऽ लियह, मुदा ऐ बेर हम नञि अहाँ केर बात मे फंसै वाला छी, इ नञि सोचु अहाँ की इहो बेर अहाँ लेल नबका साड़ी आँइन देब।
एतबे बात सुनिते भौजी अंदरे अंदर दांत पिसय लगली, आ झट दऽ बजली -
शर्ट नीक अछि, मुदा मुंह तह ओनाही कुकुर जेना लागैत ऐछ।

गुरुवार, 15 दिसंबर 2016

मैथिली आ भोजपुरी के प्रसिद्ध गायिका 'अर्चना स्नेही'

मिथिला धरोहर, प्रभारक मिश्रा, सहरसा : मैथिली आ भोजपुरी के प्रसिद्ध गायिका अर्चना स्नेही ( Maithili Singer Archana Sanehi, Bhavani Nagar ) नै  केवल अपन गायकी के बल पर राज्य आ राष्ट्रीय स्तर के मंच के सुशोभित कऽ रहल छथि। अपितु छोट बुच्ची सब के नृत्य आ संगीत के शिक्षा दऽ ओकर प्रतिभा के निखारबा के अनवरत प्रयास कऽ रहल छथि।

इहो पढ़ब:-

मूल रूप सँ सहरसा जिलाक, भवानी नगर के निवासी अर्चना जी वर्ष 1993 ई० मे रमेश झा महिला कॉलेज सहरसा सँ संगीत प्रतिष्ठा के डिग्री प्राप्त कऽ ओ अनवरत आगू बढ़ैत चलैत गेलि। अर्चना स्नेही के गीत सँ अखन धरि मैथिली आ भोजपुरी मे 13 टा एलबम के निर्माण भऽ चुकल अछि। भोजपुरी एलबम 'गदर मचा देम बिहार में' हिनकर पहिल रिकॉडिंग एलबम अछि जे 2010 मे बनल छल।
एकर उपरांत मैथिली मे 'हे मां काली, 'फगुआ मजेदार' धार्मिक मुंडन एलबम 'सुन्दर बौआ आ  भोजपुरी मे 'दबंग बिहारी, उखवा के रस, 'देवघर से टिकुलिया ले अईह, 'देवघर से चिट्ठी आईलवा, मईआ मेरी दुलरी' आदि एलबम सँ श्रीमती स्नेही अपन अलग पहचान बना लेने छथि। 

इहो पढ़ब:-

वर्ष 2004 मे अर्चना स्नेही जी स्नेही संगीतालय खोललनी। तखन सँ एखन धरि ओ लगभग तीन सौ बच्चियां के नृत्य आ
संगीतक प्रशिक्षण देने छथि। अहिमे सँ बहुते बच्चियां राज्य आ देशक महत्वपूर्ण मंचों पर अपन कार्यक्रम दऽ चुकल छथि। पिछला साल (2015) दिल्ली ऑडिशन मे इंडिया हुनरवाज मे हिनका द्वारा प्रशिक्षित हनी कुमारी आ शिवानी चयनित भेल छलि।

इहो पढ़ब:-

साल 2015 मे पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहार बाजपेयी केर जन्म दिन पर सुगम संगीत के लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जी पटना मे सम्मानित केलनि।

शुक्रवार, 9 दिसंबर 2016

मैथिली पंचांग - Maithili Panchang - 2017 (प्रथम)

मिथिला धरोहर : मिथिलाक पावनि-तिहार सूचि, जनवरी, 2017 सँ जुलाई, 2017 धरी

गोमयेन पारण, नारायण द्वादशी  -  9 जनवरी
पौषी पूर्णिमा, कौशिकी स्नान  -  12 जनवरी
मकर (तिल) संक्रान्ति   -  14 जनवरी
गणतंत्र दिवस   -  26  जनवरी
नरक निवारण व्रत   -  26 जनवरी
माघी मैनी अमावस्या   -   27 जनवरी

वसंत पंचमी, सरस्वती पूजा  -  1 फरवरी
अचला सप्तमी    -     3 फरवरी
महानवमी व्रत    -       5 फरवरी
माघी पूर्णिमा           10 फरवरी  
शिवरात्रि व्रत           24 फरवरी

मंगलवार, 6 दिसंबर 2016

भारतवाणी : भारतीय भाषा सभक द्वारा ज्ञान

मिथिला धरोहर : भारत बनेबाक आओर धरती माताक कल्याणक लेल ज्ञान बाँटबाक एक स्वच्छ परम्परा अछि। पाछु कतेको सदिसँ सभ्यताओँक आगमन जाहि तरहसँ हमरा सब पर सेहो प्राचीन परम्पराक असर पड़ल। डिजिटल इंडियाक युगमे ज्ञान आओर हमर सभहक भाषाकेँ संरक्षित करबाक तत्काल आवश्यकता अछि।

एहि सन्दर्भमे भारतवाणी परियोजना (BVP), ज्ञानक लेल पहल मानव संसाधन विकास मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा शुरु कयल गेल अछि। एहि परियोजनाक लेल एक ऑनलाइन पोर्टलक माध्यमसँ आओर एक ज्ञानक खोज भंडारकेँ मल्टीमीडियाक माध्यमसँ भारतक लगभग सभ भाषाओँक(पाठ, ऑडियो, वीडियो, चित्र) स्वरूपोँक निर्माण करबाक अछि। भारतवाणी पोर्टल समाजक सभ वर्गोँक लेल सुलभ भय जायत। परियोजना केन्द्रीय भारतीय भाषा संस्थान मैसूर, कर्नाटक द्वारा कार्यान्वित कयल जा रहल अछि। पोर्टल कॉपीराइट (संशोधन) अधिनियम, 2012, शैक्षिक उद्देश्योँक लेल उचित उपयोगक खण्डक तहत खुलल ज्ञान प्रदान करैत अछि।

भारतवाणी पोर्टल निम्नलिखित मुख्य वर्गोँमे सामग्री प्रकाशित होयत-
पाठ्यपुस्तक शब्दकोश : पाठ्यपुस्तकसभ ज्ञानकोश : ज्ञानाधार (विकसित कैल जाइत अछि) शब्दकोश : शब्दकोशसभभाषाकोश : भाषा अधिगमसूचना प्रौद्योगिकी कोश : सूचना प्रौद्योगिकी साधनसभ (टीडीआईएलसँ जुड़ल अछि)बहुमाध्यम कोश : मल्टीमीडिया