अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
4 जून 2018
गिरिजा स्थान, फुलहर : एतय भेल छलनि राम सीता के पहिल भेंट
गिरिजा स्थान मधुबनी जिलक हरलाखी प्रखंडक फुलहर गांव मे अवस्थित अछि। ( Girija Sthan, Harlakhi, Phulhar ) जगत जननी सीता फुल लोढ़य राजा फुलवाड़ी गिरजा स्थान नित्य दिन जाय छलथि। जनकपुर राज्य केर चारु दिशा मे चारिटा शिवलिंग (मंदिर) छल, पूब मे विशौल, पश्चिम मे धनुषा, उत्तर मे शिवजनक मंदिर, आ दक्षिण मे गिरिजा शिव मंदिर अवस्थित छल जे आयो अवस्थित अछि।
इहो पढ़ब :-
कहल जाइत छैक जे राम-लक्ष्मण केर धनुषक शिक्षा विशौलक जंगल मे देल गेल छलनि।विशौल के ठीक १० किलोमीटर पश्चिम मे गिरजा स्थान अछि। राम लक्ष्मण एक दिन फुलवाड़ीक दर्शन करै गिरजा स्थान एला जतय सीता जी के नजैर राम पर और राम केर नजैर सीता जी पर पड़लनी त गिरजा पूजनक समय जगत-जननी जानकी जी के हाथ सँ पुष्प माला गिर गेलनि आ हैंस पड़लि। तुलसी कृत रामायण मे वर्णित चौपाई “खसत माल मुड़त मुस्कानी”साक्षी अछि। अहि मिलनक उपरांत देवी सीता माँ गिरिजा केर पूजा अर्चना केलनि आ हुनका सँ आशीर्वाद लेलनि और माँ गिरिजा माता सीता के श्री राम सँ विवाह हेबाक आशीर्वाद देलखिन। इ प्रमाण रामायण सँ मिलैत अछि।
इहो पढ़ब :-
कोना पहुंचब गिरिजास्थान :-
मधुबनी सँ बेनीपट्टी भ के हिसार-उमगांव होइत कलना जा सकैत छि या फेर मधुबनी सँ कलुआही होइत बासोपट्टी क बाद कलना गांव तक पहुंच सकैत छि। मधुबनी सँ कलना स्थान तक के लेल बस के सुबिधा उपलब्ध छै।
Tags
Mandir
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/naya-shahar-darbhanga-ho-raja-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/kali-ke-mahima-agam-apaar-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !