गुरुवार, 18 जून 2020

सीतामढ़ी मे आस्थाक केंद्र अछि मां जानकी केर विश्राम स्थली पंथपाकड़

मिथिला धरोहर : सीतामढ़ी (सुरसंड-जनकपुर राजपथ) सं मात्र 8 कि०मी० के दूरी पर स्थित पंथ पाकर गांव रामायणकालीन इतिहास के गवाह अछि। ( Panthpakar Sitamarhi Ram Janki Mandir ) मान्यता अछि जे, अहि स्थान पर स्थित एकटा पाकड़िक गाछक नीचा सीता माँ एक रात्रि विश्राम केने छलथि। राम-सीता विवाह उपरांत अयोध्या जाइत समय राजा दशरथ जी के काफिला अहि जगह पर एक रात्रिक विश्राम केने छल। इ जनकपुर सं बारह कोस (लगभग 38 कि०मी०) के दूरी पर स्थित अछि। आनंद रामायण के सारकांड के पृष्ठ 59 मे अहिके उल्लेख भेटय अछि। वाल्मीकि रामायण आ तुलसीकृत रामचरितमानस के अनुसार, भगवान राम और भगवान परशुराम केर बीच एकटा कटु संवाद भेल छलनी और किंवदंति अनुसार, वैह संवाद स्थल इ पंथपाकड़ गांव मानल जाइत अछि।
एतय के लोक कथा अनुसार, सीता जी रात्रि विश्राम उपरांत पाकड़िक दतवैन सं अपन दांत साफ केने छलथि और ओहि दतवैन के फेंक देने छलथि, जाहिसँ एकटा विशाल पाकड़िक गाछक जन्म भेल।आय एतय ओहि पाकड़िक गाछक संगे पाकड़िक सैकड़ों आन गाछ सेहो अछि। चूंकि इ पाकड़िक गाछ अयोध्या-जनकपुर मार्ग में अछि, ताहिलेल कालांतर में अहि स्थान के पंथपाकड़ कहय जाय लागल। 

इहो पढ़ब :-
पाकड़िक गाछक बीच एकटा बड़का पोखरी अछि। कथाक अनुसार अहि पोखरी मे माता सीता स्नान सेहो केने छलथि। अहि जगह पर आयो अहि क्षेत्रक बड़का-बड़का विवाद के निपटारा कैल जाइत अछि। लोग के विश्वास अछि जे अहि स्थल पर कुनो विवादक सहज और सत्य निपटारा भ जाइत अछि। संगे इहो मान्यता अछि जे एतय के पाकड़िक गाछक पत्ता के पीस के पिया देला सं गर्भवती महिला के प्रसव पीड़ा सं मुक्ति भेटय अछि आ सहज ढंग सं प्रसव भ जाइत अछि।

इहो पढ़ब :-
एतय के पाकड़िक गाछक एकटा विचित्र बात इ अछि जे पतझैड़ मे सेहो सबटा गाछक पत्ता एक संगे नै गिरैत अछि। एतय माता जानकी जी केर विशाल पिण्ड संगेह राम-जानकी केर भव्य मंदिर सेहो अछि। एतय साल भरी भगवान के पूजा एवं विवाह हेतु लड़का-लड़की देखबाक कार्यक्रम चलैत रहैत अछि। सीतामढ़ी-जनकपुर पथ पर भेलाक कारण एतय साल भरी नेपाल आ देशक विभिन्न हिस्सा सं तीर्थयात्रि के एनाय जेनाय लागल रहैत अछि। 

इहो पढ़ब :-

कोना पहुँचब - 
एतय लगक रेलवे स्टेशन सीतामढ़ी अछि, जे मात्र 8 किलोमीटरक दूरी पर स्थित अछि। सीतामढ़ी मे देश'क कतेको शहर सं लक्जरी बस द्वारा सेहो पहुंचल जा सकैत अछि। एखन नजदीकी हवाई अड्डा दरभंगा अछि, जे एतय सं करीब 76 कि०मी० के दूरी पर स्थित अछि। 
(छवि : साभार)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !