अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
2 अप्रैल 2023
Home
/
Bhakti Geet
/
Dilip Darbhangiya
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
Ge Bahina Kona Ka Parichhab Lyrics | गे बहिना कोना कऽ परिछब लिरिक्स
Ge Bahina Kona Ka Parichhab Lyrics | गे बहिना कोना कऽ परिछब लिरिक्स
Bahina Ge Kona Ke Parichhab Lyrics
बहिना गे कोना कऽ परिछब सिया जि के बर के
लगैय हमरा डर गे ना - 2
बरके बापके पाकल दाढि, हुनका तीन-तीनटा महतारि - 2
बरके देखिके हमरा बुझाइय चित चोर गे, लगैय हमरा डर गे ना,
बहिना गे कोना कऽ परिछब सिया जि के बर के
लगैय हमरा डर गे ना
बर छैथ बचपन सौ धनुष धारी उ तऽ बनौलन पथल के नारी - 2
हिनका देखिते देखिते भऽ गेल साँझ सं भोर गे, लगैय हमरा डर गे ना,
बहिना गे कोना कऽ परिछब सिया जि के बर के
लगैय हमरा डर गे ना।
Ge Bahina Kona Ka Parichhab Lyrics
गे बहिना कोना कऽ परिछब
गौरी बुढ़वा बर गे होइया हमरा डर गे ना
गे बहिना कोना कऽ परिछब
गौरी बुढ़वा बर गे होइया हमरा डर गे ना
बर के चोटकल चोटकल गाल, बुढ़वा देखइ में कमाल - 2
गे बहिना देखइ में कमाल
गे बहिना सौंसे देह में सर्प छई लटकल गे
होइया हमरा डर गे ना
गे बहिना कोना कऽ परिछ्ब
गौरी बुढ़वा बर गे होइया हमरा डर गे ना
बर के चादरों नाइ धोती, एकटा बान्हल छई लंगोटी - 2
गे बहिना बान्हल छई लंगोटी
गे बहिना सौंसे देह में भष्म छई रमल गे
होइया हमरा डर गे ना
गे बहिना कोना कऽ परिछ्ब
गौरी बुढ़वा बर गे होइया हमरा डर गे ना
बर के भुत प्रेत बाराती, देख के धडकैया छाती - 2
गे बहिना धडकैयें छाती
गे बहिना जटा सं बहै गंगा जी के धार गे
होइया हमरा डर गे ना
गे बहिना कोना कऽ परिछ्ब
गौरी बुढ़वा बर गे होइया हमरा डर गे ना
Tags
Bhakti Geet
Dilip Darbhangiya
Maithili Lokgeet
Maithili Nachari Lokgeet
Maithili Song Lyrics
Shiv Bhajan
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/04/kona-ke-tutlau-moti-ke-haar-lyrics-in.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2022/03/top-10-maithili-female-singer.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Bhakti Geet,
Dilip Darbhangiya,
Maithili Lokgeet,
Maithili Nachari Lokgeet,
Maithili Song Lyrics,
Shiv Bhajan
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !