रविवार, 11 जून 2023

एहेन सुंदर मिथिला धाम लीरिक्स - Ehen Sundar Mithila Dham Lyrics

एहेन सुंदर मिथिला धाम,
दोसर पायब कोन ठाम,
दोसर पायब कोन ठाम,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर में,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर में,

हम ने करबै ककरो आश,
जखन मिथिला हमर बास,
जखन मिथिला हमर बास,
हमर बहिन अपन खास जनकपुर मे,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर मे

बहिन सिया सुकुमारि,
धिया जनक दुलारि,
धिया जनक दुलारि,
रामजी अयलनि ससुरारी जनकपुर मे,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर मे

गंगा सागर स्नान,
दर्शन करबै भगवान,
दर्शन करबै भगवान,
सुनबै मिथिला पुराण जनकपुर मे,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर मे

एहेन सुंदर मिथिला धाम,
दोसर पायब कोन ठाम,
दोसर पायब कोन ठाम,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर मे,
दुल्हा-दुल्हिन सीता राम जनकपुर मे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !