ठुनुक-ठुनुक बोले बेटी सिया बेटी
बाबा कोओन वयवहार
गे माई चारु पहर बाबा देलखिन भरोसा
भिनसर होयत सेंदूरदान
एते दिन छलियै बाबा दुलरी तोहर हम
एते दिन छलियै बाबा दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय
चारु दिस अंगना में चौक पुरायल
चारु दिस अंगना में चौक पुरायल
सोनमा से कलश धरायल
गे माई मड़वा बैसल भैया रही-रही कानय
भेली मोरा बहिन बिदाई
एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय
गे माई एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय
मैथिली web दृष्टिकोण स देख़बा पर ,अविश्वस्नीय त ज़रूर बूझायत अछि,अहि प्रकारक् संकलन देखना बाद🙏
जवाब देंहटाएं