...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

16 जून 2023

ठुनुक-ठुनुक बोले बेटी सिया बेटी लिरिक्स- Thunuk Thunuk Bole Beti Lyrics

Thunuk Thunuk Bole Beti Song Lyrics by Sharda Sinha 

ठुनुक-ठुनुक बोले बेटी सिया बेटी
बाबा कोओन वयवहार
गे माई चारु पहर बाबा देलखिन भरोसा
भिनसर होयत सेंदूरदान

एते दिन छलियै बाबा दुलरी तोहर हम
एते दिन छलियै बाबा दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय

चारु दिस अंगना में चौक पुरायल
चारु दिस अंगना में चौक पुरायल
सोनमा से कलश धरायल
गे माई मड़वा बैसल भैया रही-रही कानय
भेली मोरा बहिन बिदाई
एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय
गे माई एते दिन छलियै भैया दुलरी तोहर हम
आजु मोरी जोगी नेने जाय

1 टिप्पणी:

  1. मैथिली web दृष्टिकोण स देख़बा पर ,अविश्वस्नीय त ज़रूर बूझायत अछि,अहि प्रकारक् संकलन देखना बाद🙏

    जवाब देंहटाएं

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »