रविवार, 11 अगस्त 2024

पिरिये प्राण नाथ सादर प्रणाम लिरिक्स Priye Pran Nath Sadar Parnaam Song Lyrics

Priye Pran Nath Sadar Pranam Lyrics

पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम 
किरपा महादेव कुशले कुशल अछ
अहाँ लए सबहक अतमा वेकल अछ 
मोनो नै हैत पिया मुंहों हमर मुदा 
बिसरल नै हेबय सासुर के नाम 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

भोरे उठे छी भानस करै छी 
अपनहि हाथे पानियो भरै छी 
एसगर मे आँगन दाँते कटैए 
माय चलि गेलऐछ नानी के गाम 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

बहिना सिखेलखिन ताशक खेल 
कोट-पीस हमरा खेलैले आबि गेल 
रंगक बीबी इक्का जे बढ़ता 
अहाँ छी साहेब अहाँ छी गुलाम 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

परसुखिन एलखिन बुच्ची केर ओझा 
कहलनि कत्ते तँ गेलियनि सोझाँ 
लाजे परेलियै बैसबो नै केलियै  
जखने ओ पुछला साढू केर नाम 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

खोपा बन्होने रही केश फलकौआ 
कोंचा बला नुआ छलै आँचर घुमौआ 
अझक्के मे देखलक उहो मुँहझौंसा 
अहीँ के गामक बुढ़बा हजाम 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

बाबू बिगड़ला माँओ बिगड़ली 
नाको कटौलें जो गे अभगली 
गलती जे भेल पिया माफी से करबै 
रखबै दया कने रखबै धियान 
पिरिये पिराननाथ सादर प्रणाम

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !