...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

7 अप्रैल 2020

मैथिलीक प्रसिद्ध गीतकार रवींद्र नाथ ठाकुर परिचय - Ravindra Nath Thakur Biography

मैथिली साहित्यक लिविंग लीजेंड, मैथिली गीतक राजकुमार, मूर्धन्य गीतकार रवींद्रनाथ ठाकुर जीक जन्म हुनक मातृक मधुबनी जिलाक ननौर गाममे ७ अप्रैल १९३६ ई. केँ भेल छलनि। हिनकर पैतृक आवास पूर्णियाँ जिलाक धमदाहा गामक दच्छिनबारी टोलमे छनि।स्नातकोत्तर कयलाक पछाति बिहारक सरकारक वित्त विभागमे चाकरी कयलाह आ संगहि मैथिली अकादमी पटनामे क्रमशः सहायक निदेशक आ निदेशक केर रूपमे अपन महत्वपूर्ण योगदान देलाह। प्रारम्भ सँ हिनक सोच रहलनि अछि, साहित्य सृजन जे केओ क' रहलाह अछि हुनक रचनाधर्मिताक धार कुंद नहि होमक चाही, किएक कोनो भाषाक समृद्धि मे साहित्यक बड्ड पैघ योगदान होइत अछि। ई स्वयं सेहो एकरा आत्मसात क' लिखैत रहलाह, तकरे परिणाम अछि जे हुनक गीत सभमे मैथिलीक आत्मा बसैत अछि।
चिट्ठीकेँ तार बूझू, भरि नगरीमे शोर, के थिक मैथिल-की थिक मिथिला, अर्र बकरी, माताजी विराजे मिथिले देसमे, चलू चलू बहिना, सुन सुन सुन पनिभरनी गे, पिरिये पिराननाथ, चल मिथिलामे चल, हम मिथिलेक जलसँ, चारि पाँति सुनू राम केर नामसँ, यार कुसियार यार, हमर सासुजीक जेठका दुलरूआ, तांगा चलल अलबेला, रूकियौ कने त' बारि दिअ, बिढ़नी बिन्हलकौ थुम्हा फुलेलकौ आदि कतेको रास हिनक लिखल गीत सभ अछि जे कालजयी अछि। मिथिलाक माटि-पानि सँ सानल ई गढ़नि सभ समयक औरान धरि अपन ई मैथिली पूत पर गुमान करबाक अवसरि हमरा सभकेँ देत से विश्वास अछि। रविन्द्र जी गीत मात्र लिखबे टा नहि कयलाह, महेंद्र झा जीक संग कतेको मंच पर हुनका संग गाबितो छलथि। बिना साज-बाजकेँ लोक हिनका दुनूकेँ सुनबा लेल आतुर रहैत छल। बरू आइ महेंद्र झा जी एहि मर्त्यलोक सँ विदा भ' गेला परंच आइयो हुनक अबाज कानमे ओहिना गूंजि रहल अछि। मैथिली गीतक पहिल ऑडियो कैसेट हिनके दुनूक अबाजमे दूभि-धान नामसँ बहरायल छल।

इहो पढ़ब :-
मैथिलीक लोकप्रिय सिनेमा 'ममता गाबय गीत' हमरा लोकनिक स्मृति पटल सँ कहियो बिलगा नहि सकैत अछि। ताहिमे मात्र गीतकारक रूपमे अपितु सम्पूर्ण सिनेमाक बनेबामे हिनक एकटा महत्वपूर्ण योगदान छनि तकर पश्चात एकटा हिंदी सिनेमा 'आयुर्वेद की अमर कहानी' क' लेखन आ निर्देशन दुनू कयलनि। मैथिली सिनेमा 'नाच' पर काज शुरू भेल छल मुदा ओ पूर्ण नहि भ' सकल।

रविन्द्र जीक गीत, कविता, उपन्यास, नाटक आदि सभ मिलाक' एखन धरि कुल पनरह गोट पोथी प्रकाशित छनि, मुदा बेसी गीत संग्रह छनि। जाहिमे चौदह गोट मैथिली आ मात्र एक टा हिंदीक अछि जे प्रायः हिनक नाटक छनि। चलू चलू बहिना, जहिना छी तहिना, स्वतन्त्रता अमर हो हमर, प्रगीत, रविन्द्र पदावली, पंचकन्या, एक राति, नरगंगा, चित्र-विचित्र, सुगीत, अतिगीत, एक राति, श्री सीता चालीसा आदि हिनक प्रमुख कृति छनि।

इहो पढ़ब :-

प्रबोध सम्मान सँ सम्मानित, पहिल मैथिली सिनेमाक गीतकार आ मैथिलीमे युगल-गायन परम्पराक प्रवर्तक आदरणीय रविन्द्रनाथ ठाकुर जीके देहांत 19, मई 2022 के नोएडा मे भेलनि। तहन हिनकर उम्र 86 वर्षक छलनी।
आलेख - पंकज 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू