अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 अग॰ 2024
Home
/
Maithili Film Song
/
Maithili Song Lyrics
/
Ravindra Nath Thakur
/
भरि नगरी मे शोर बौआ मामी लिरिक्स - Bhari Nagri Mein Shor Lyrics
भरि नगरी मे शोर बौआ मामी लिरिक्स - Bhari Nagri Mein Shor Lyrics
भरि नगरी मे शोर
बौआ मामी तोहर गोर
मामा चाँद सन
नानी नाना दुनू तोहर
खाली गाल बजाब
बाबी तोहर गंगा सन छ
बाबा बनल हिमालय
मौसा तोहर चोर
मौसी मुँहक बड्ड जोर
मैया पान सन
भरि नगरी मे शोर
बौआ मामी तोहर गोर
मामा चाँद सन
थैया थैया चलु कन्हैया
जहिना भोर बसात
धरती मैया सब दुख हरणी
खसब ने कोनो बाट
बौआ मोती सन ई नोर
बिछत खाली आँचर मोर
अपनहि प्राण सन
भरि नगरी मे शोर
बौआ मामी तोहर गोर
मामा चाँद सन
इहो पढ़ब :-
फिल्मः ममता गाबय गीत | गायिकाः सुमन
गीतकारः रविन्द्रनाथ ठाकुर | संगीतकारः श्याम शर्मा
रिलीज: 1982
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/08/thor-arhul-senuriya-lal-lal-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/08/priye-pran-nath-sadar-parnaam-song.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !