मंगलवार, 8 अक्तूबर 2024

बाबा यौ जग मूड़न कराय दिअ लिरिक्स - Baba Yau Jag Muran Kara Diya Lyrics

नामि नामि केश मोरा गर्दन पर लौटै
नामि नामि केश मोरा गर्दन पर लौटै
बाबा यौ जग मूड़न कराय दिअ
बाबा यौ जग मूड़न कराय दिअ

मूड़न कराय दिअ, नटुआ नचाय दिअ
मूड़न कराय दिअ, नटुआ नचाय दिअ
दादी यै एगो सोहर सुना दिअ
दादी यै एगो सोहर सुना दिअ
बाबा यौ जग मूड़न कराय दिअ -2

केशो कटा दिअ, उपटन लगा दिअ
केशो कटा दिअ, उपटन लगा दिअ
चाची यै पियर कपड़ा पहिरा दिअ
चाची यै पियर कपड़ा पहिरा दिअ
बाबा यौ जग मूरन कराय दिअ -2

मूड़न करा दिअ, बजना बजा दिअ
मूड़न करा दिअ, बजना बजा दिअ
अम्मा यौ हमरा अपने चुमा दिअ
अम्मा यौ हमरा अपने चुमा दिअ
बाबा यौ जग मूड़न कराय दिअ...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !