अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 अक्टू॰ 2024
Home
/
Kohbar Geet
/
Maithili Lokgeet
/
हरियर हरियर बेलक पतिया लिरिक्स - Hariyar Hariyar Belak Pataiya
हरियर हरियर बेलक पतिया लिरिक्स - Hariyar Hariyar Belak Pataiya
पारम्परिक कोहबर लोकगीत
हरियर हरियर बेलक पतिया
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे
सोना के सांझी सिया, हाथ लय लेलन
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे...
बेलपत्र तोरथि दुल्हा, दुलहिन भवन में
हे सखि कोबर घर मे
बैसल छथि सुकुमार
हे सखि कोबर घर मे...
गिरजा पूजथि सिया, मंगल गाबु
हे सखि कोबर घर मे
मंगल शुभ वरदान
हे सखि कोबर घर मे
हरियर हरियर बेलक पतिया
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/kone-varan-siya-janak-dulari.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/ham-nai-jebai-kobar-ghar-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Kohbar Geet,
Maithili Lokgeet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !