शुक्रवार, 11 अक्तूबर 2024

हरियर हरियर बेलक पतिया लिरिक्स - Hariyar Hariyar Belak Pataiya

पारम्परिक कोहबर लोकगीत

हरियर हरियर बेलक पतिया
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे

सोना के सांझी सिया, हाथ लय लेलन
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे...

बेलपत्र तोरथि दुल्हा, दुलहिन भवन में
हे सखि कोबर घर मे
बैसल छथि सुकुमार
हे सखि कोबर घर मे...

गिरजा पूजथि सिया, मंगल गाबु
हे सखि कोबर घर मे
मंगल शुभ वरदान 
हे सखि कोबर घर मे
हरियर हरियर बेलक पतिया
हे सखि कोबर घर मे
राम जी तोरथि बेलक पात
हे सखि कोबर घर मे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !