शुक्रवार, 11 अक्तूबर 2024

पातरि धनि सुकुमारी कि लिरिक्स - Patari Dhani Sukumari Ki Lyrics

पारम्परिक मैथिली सोहर गीत

पातरि धनि सुकुमारी कि
पिया के दुलारी रे 
ललना रे, अंग लगाए पिया पूछथि
कौने रंग बेदन रे

देह मोरा कांपए गहन जंका
केश भुइययां लोटू हे
आहे, धरती लागए असमान
नयन नहीं सूझत हे

कथि लये बाबा बियाहलनि
पिया घर देलनि रे
ललना रे, रहितौं मैं बारि कुमारी
बेदन नहीं जनितहुँ रे

जीरक बोरसी बनाइब
लौंगक पाइस रे
ललना रे, सब अभरन हम देब,
बेदन नहि बाँटब रे

जौं जनमल जदुनन्दन
खुजि गेल बंधन रे
ललना रे, खुजि गेल ब्रज केबार
कि नगर आंनद भेल रे

भल केलनि बाबा बियाहलनि
पिया घर देलनि रे
ललना रे, रहितौं मैं बारि कुमारी
होरिला कहाँ पाबितहूँ रे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !