अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
30 मार्च 2015
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Udasi Geet
/
भितिया मे चितिया साटल रघुनन्दन लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
भितिया मे चितिया साटल रघुनन्दन लिरिक्स - मैथिली उदासी गीत
भितिया मे चितिया साटल रघुनन्दन,
ताहि मे जे सिनुर-पिठार
जखन जमाय बाबू कोबर सँ बहार भेला,
सरहोजि भेलीह उदास
एहनर नन्दोसिया जी के जाइयो नहि दीतहुँ,
रखितहुँ पान खोआय
जखन जमाय बाबू भानस घर सँ बहार भेला,
सासुजी भेलीह उदास
एहन जमाय के जाहू ने दीतहुँ,
रखितौं मिश्री खोआय
जखन जमाय बाबू आंगन संओ बहार भेला,
सारि भेलीह उदास
एहन बहिनोइया जी केँ जाइयो ने दीतहुँ,
रखितौं मोन लोभाय
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/doli-layal-kahar-tahime-dulhin-sabaar.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2015/03/saty-narayan-vrat-katha.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !