-: मधुपर्क गीत :-
आबू सुमुखि सहेली दाइ माइ
कहां गेली मधुपर्क करू हे,
सिया प्यारी संग सभ के भेलन्हि
आबि गेली मधूपर्क करू हे।
राखू दम्पति के लाज
आबू महिला समाज
मधुपर्क करू हे
साजि - साजि सब साज मधुपर्क करू हे
आज मडवा के भाग
भेल सफल सोहाग
उमरल अनुराग मधुपर्क करू हे
गावे लतिका सनेह
भेल जनक विदेह मधुपर्क
भूलि गेल देह गेह
मधूपर्क करू हे
इहो पढ़ब:-
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !