भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
जे केओ दुःख कर जोड़ि कहै छनि
अधमक पाप न याद रहे छनि
पाथर पिघलि भेल पानी,
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
कनक कनैल आँक नित लायब
विजया बेलक पात चढ़ायब
ढारब गंगाजल आनी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
नित उठि भोरे चरण दबायब
मधुर नचारी गाबि जगायब
आनि देब दतमनि-पानी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
स्नेहलता पदपर लतरायब
जे कहता से टहल बजायब
पूजब कलपतरु मानी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !