अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
14 दिस॰ 2023
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
Snehlata Maithili Geet
/
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की लीरिक्स, शिव नचारी - Bhola Baba Hamar Bad Daani Lyrics
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की लीरिक्स, शिव नचारी - Bhola Baba Hamar Bad Daani Lyrics
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
जे केओ दुःख कर जोड़ि कहै छनि
अधमक पाप न याद रहे छनि
पाथर पिघलि भेल पानी,
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
कनक कनैल आँक नित लायब
विजया बेलक पात चढ़ायब
ढारब गंगाजल आनी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
नित उठि भोरे चरण दबायब
मधुर नचारी गाबि जगायब
आनि देब दतमनि-पानी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
स्नेहलता पदपर लतरायब
जे कहता से टहल बजायब
पूजब कलपतरु मानी
खुशामद अनकर की?
भोला बाबा हमर बड़ दानी, खुशामद अनकर की?
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/apane-ta-jai-chha-ho-bhaiya-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/ghodaba-chadhal-abathin-brahman.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Bhakti Geet,
Maithili Nachari Lokgeet,
Maithili Song Lyrics,
Shiv Bhajan,
Snehlata Maithili Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !