गुरुवार, 16 अक्टूबर 2025

छोटी-मोटी ब्राह्मण बाबू के अलप बएस छनि लिरिक्स - ब्राह्मण गीत

Chhoti Moti Brahman Babu Ke Alap Lyrics

छोटी-मोटी ब्राह्मण बाबू के अलप बएस छनि
भुइयाँ लोटनि नामी केश है

ब्राह्मण बाबू के अंगना चानन घन गछिया
ताही चढ़ि कोइली घमसान हे

कटबइ चानन गाछ, घेरबइ अंगनमा
छुटि जेतइ कोइली केर बाट हे

सएह सुनि कोइली रोदना पसारल
ब्राह्मण बाबू किए जीव-घात हे

जुनि कानू जुनि खीजू कोइली सुरीलिया
सोने मढ़ायब दुनू ठोर हे

जाही वन जायब कोइली, रून-झुन बाजत
बाजि जायत ब्राह्मण बाबूक नाम हे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !