शुक्रवार, 17 फ़रवरी 2017

गेल हकार जनकजी अयला हुनकर गतियो लिरिक्स - राम जन्म सोहर गीत

Gel Hakaar Janakji Ayala Hunkar Gatiyo Kahal Na Jaay

गेल हकार जनकजी अयला हुनकर गतियो कहल न जाय
रामजी के मुख चूमि विकल विदेह, बचबा मुसकाय
विधि ! बेटी होइत हमरा ई हमरे जमाय 
तत्त्व रूपस रामकें जब देखल मिथिलेश
ज्ञान-योग-बल दृष्टिसँ बूझल छथि सर्वेश 
यावत नहि सर्वेश्वरी राखब सुता बनाय 
तावत नहि श्रीरामजी हैता हमर जमाय 
हृदय बछलता राम प्रति बनल नयनमे नीर 
मन चंचल चित चैन बिनु रहि-रहि पुलक शरीर । 
विदा कराय जनक घर अयला, कयल जखन सभ जिज्ञासा । 
सभी बजाय सुनाओल घटना, और कहल निज अभिलाषा ।। 
सुनि सभ कथा सभासद हर्षित, शतानन्दजी कहि उठला । 
राजन विप्र बजाय पठाबू, ऋषि-मुनि सभी आबथि मिथिला ।। 
ज्ञानदृष्टि, तपबल सँ कहता, महाशक्ति केर भेद पता । 
जेहि विधि अओती एहि मिथिलामे, अओर कहओती जनकसुता ।। 
जनक बजाहटि सुनि सभी अयला, ऋषि-मुनिगण ज्ञानी-ध्यानी । 
कय सेवा सत्कार पूजि पद, कहल मनोरथ नृपरानी ।।
सुनि-सुनि सगुन विचारि सभी कह कुम्भज हर्षाय
पुरत मनोरथ हे नृपति जौं शिव होथि सहाय
कर तप कानन जाय अब रानी सहित महीप
महाशक्ति अवतार के आयल समय समीप 
ई कहि ऋषि-मुनिगण सकल गेला निज निज वास
कयल तपस्या शम्भु हित जनक मानि विश्वास

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !