अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 फ़र॰ 2017
Home
/
Snehlata Maithili Geet
/
Sohar Geet Lyrics
/
कर जोड़ि कोशिला कहल हे जगतपति लिरिक्स - राम जन्म सोहर
कर जोड़ि कोशिला कहल हे जगतपति लिरिक्स - राम जन्म सोहर
Kar Jodi Koshila Kahal He Jagatpati
कर जोड़ि कोशिला कहल हे जगतपति
छाड़ि दिअऽ आब एहो रूप, माइ है।
जनमल शिशु बनि बिलखि कऽ कानू
एहो रूप परम अनूप, माइ हे,
माइके अरज सुनि प्रभु भेला बालक
कानल ब्रह्म सम पूत, माइ हे,
लतिकासनेह शिव टोनमा लगाओल
कय देल बचबा के चूप, माइ हे,
बाजा बाजय बधैया हमर आँगना,
राजा दशरथजी सर्वस लुटाबथि,
रानी लुटाबथि हाथ कंगना,
केकय लुटाबथि अन धन सोनमा,
सुमित्रा लुटाबथि सकल गहना,
फुआ-बहिन चाची बाँटथि निछावर,
याचक के पुरल मनक कामना,
लतिका सनेह घर किछुओ ने राखल,
हजमा नेहाल भेल नाचय बभना।
इहो पढ़ब:-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/ke-mora-janm-del-keye-muhama-urehal.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/gel-hakaar-janakji-ayala-hunkar-gatiyo.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !