Kar Jodi Koshila Kahal He Jagatpati
कर जोड़ि कोशिला कहल हे जगतपति
छाड़ि दिअऽ आब एहो रूप, माइ है।
जनमल शिशु बनि बिलखि कऽ कानू
एहो रूप परम अनूप, माइ हे,
माइके अरज सुनि प्रभु भेला बालक
कानल ब्रह्म सम पूत, माइ हे,
लतिकासनेह शिव टोनमा लगाओल
कय देल बचबा के चूप, माइ हे,
बाजा बाजय बधैया हमर आँगना,
राजा दशरथजी सर्वस लुटाबथि,
रानी लुटाबथि हाथ कंगना,
केकय लुटाबथि अन धन सोनमा,
सुमित्रा लुटाबथि सकल गहना,
फुआ-बहिन चाची बाँटथि निछावर,
याचक के पुरल मनक कामना,
लतिका सनेह घर किछुओ ने राखल,
हजमा नेहाल भेल नाचय बभना।
इहो पढ़ब:-
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !