अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 जन॰ 2019
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
Snehlata Maithili Geet
/
हम नहि जानल गे माई लिरिक्स, मैथिली नचारी - Ham Nahi Jaanal Ge Maai Lyrics
हम नहि जानल गे माई लिरिक्स, मैथिली नचारी - Ham Nahi Jaanal Ge Maai Lyrics
हम नहि जानल गे माई।
एहन बूढ़ वर नारद लौता झूठे कैल बड़ाई ।।
तीन लोक के ठाकुर कहि-कहि हमरा देल पतियाई।
चारिम पनमे भिखमंगा के आनल बैल चढ़ाई ।।
एक दिस गौड़ी के मुँह तक छी, एक दिस बूढ़ जमाई।
मन होइयै जे एही संतापे, मरि जइतौं किछु खाई।।
नहि, नहि, हम नहि गौरी बिआहब, जगमे होयत हँसा ।
जानि-बूझि कऽ एहन धियाके कोना कऽ देब भसाई।।
स्नेहलता भन सुनु हे मैया शंभु के लाउ चुमाई।
करम बाँटि की हुनकर लेबनि, पुरुबक छनि कमाई ।।
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/aayal-he-sakhi-sarv-sohaoan-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/juni-puchhu-haal-chaal-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Bhakti Geet,
Maithili Nachari Lokgeet,
Maithili Song Lyrics,
Shiv Bhajan,
Snehlata Maithili Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !