अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
11 अप्रैल 2025
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Sohar Geet Lyrics
/
जीर सन छथि धनि पातरि, फूल सन सुन्दरि रे लिरिक्स - मैथिली सोहर गीत
जीर सन छथि धनि पातरि, फूल सन सुन्दरि रे लिरिक्स - मैथिली सोहर गीत
जीर सन छथि धनि पातरि,
फूल सन सुन्दरि रे
ललना रे, तेसर छथि बाबाकेँ दुलारू,
दर्द कोना अंगेजत रे
कथी लेल बाबा बिआहलनि,
देलनि ससुर घर रे
ललना रे, रहितहुँ बारी कुमारि,
दर्द नहीं जनितौं रे
एक पयर देलनि एहरि पर,
दोसर देहरी पर रे
ललना रे, तेसरमे होरिला जनम लेल,
सब मन हर्षित रे
निक लय बाबा बिआहलनि,
देलनि ससुर घर रे
ललना रे, रहितहुँ बारी कुमारि,
होरिला कहाँ पबितहुँ रे
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/piya-chalal-pardesh-ki-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/02/pardeshiya-ke-dhotiya-ranga-de-goriya.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !