बुधवार, 20 नवंबर 2024

कीर्तन बजइए अनघोल, यो अहाँ ब्राह्मण बाबू लिरिक्स - ब्राह्मण गीत

Kirtan Bajay Anaghol Lyrics

कीर्त्तन बजइए अनघोल, 
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

लाले ओ धोतिया ब्राह्मण लाले तौनिया
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

सेहो लए अहाँ के पहिरायब
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

लाले खरमुआ ब्राह्मण लाले जनउआ
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

सेहो लए अहाँ के पहिरायब
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

लाले मधुर ब्राह्मण लाल पुष्पहार
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

अहींके भोग लगायब, 
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !