सदाशिव
बात उचित नहि थीक
विलटल सकल मनोरथ मोनक
टूटल ध्यानक सीक।
सदाशिव...
तन-मन-वचन, पात-फूल-जल
भार भेलहुँ धरतीक।
सदाशिव..
क्षत-विक्षत हम, हे हर बाजू
अक्षत देब कथीक।
सदाशिव...
अपने महल अटारी सेवल
बेटा मांगय भीख।
सदाशिव...
एहेन बापकेर घर रहबा सँ
माइक नैहर नीक।
सदाशिव...
कहथि रवीन्द्र कृपा करू शंकर
यदि हम कहल सटीक।
सदाशिव...
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !