सोमवार, 18 अगस्त 2014

मैथिलि सिनेमा लेल किछु करैकेँ चाहत : नरेश मंडल

मि ध.: मूलतः मिथिलांचकऽ समस्तीपुर जिलाकऽ अंर्तगत दसौत गामक निवासी नरेश मंडल कऽ जन्म 13 अप्रैल 1986 ई० कऽ सुरेश मंडल जी कऽ पुत्रक रूप मऽ भेल छल। आरंभिक शिक्षा गामे मे प्राप्त केलैथ आ +2 (आर्ट) 2002 में पास कऽ मुंबई गेला मुंबई म कुछ दिन मार्किटिंग मऽ काज केलैथ।
एखन नरेश मंडल फ़िल्म आ टेलीविजन इंडस्ट्री कऽ संग करिव 7 साल सँ जुरल छैथ। नरेश मंडल टेलीविजन इंडस्ट्री म सुरुवात केलैथ जी टीवी कऽ डेली शॉपक सीरियल 'तीन बहु रानिया' कऽ संग, एखन धैर लगभग 16 टा टीवी शोज मऽ बतौर हेड ऑफ़ प्रोडक्शन कऽ अहम भूमिका दऽ चुकल छैथ, जेना: "लागी तुझसे लगन, खौफ, जीवन साथी, हम दोनों हैं अलग अलग, पुनर विवाह, कैरी रिश्ता खट्टा मीठा, खूबसूरत, भुत आया" इत्यादी प्रमुख नाम ऐछ। किछ रास डोकुमेंट्री क एडिटिंग सोहो केने छैथ, जे ऐछ:- “मिले जब हम तुम”, “बीट्वीन यू एंड मी", “सकाल”, “भूल” इत्यादी। एकर बाद ओं अपन प्रोडक्शन हाउस 'आनन्द फ़िल्म प्रोडक्शन हाउस' कऽ नाम सँ निर्माण केलैथ, एही प्रोडक्शन हाउस केँ अंतर्गत 2 गो लधु फ़िल्मक निर्माण भऽ चुकल अछि, "नारी" आ "दारा सेखोह" जै मऽ ओं निर्माता आ निर्देशक रही चुकल छैथ, संगे नियति फिल्मस केँ एकटा मूवी निर्देशित कऽ चुकल छैथ। एखन अपन प्रोडक्शन हाउसक अंतर्गत एकटा नेपाली फ़िल्म केँ सूटिंग सोहो कऽ रहल छथि। एखन धैर नरेश जी टीवी आ फिल्मकऽ बहुत रास भाग मऽ काज कऽ चुकल छथि, जेना:- पोस्ट प्रोडक्शन, हेड ऑफ़ प्रोडक्शन, एडीटिंग, निर्देशक, क्रिएटिव।


एखन धैर अपन जीवन काल म फिल्म, टेलीविजनकऽ अलग-अलग भाग मऽ अपन छाप छौईर चुकल नरेश मंडल आब अपना केँ अपन मैथिलि भाखा क प्रचार-विस्तार लेल समर्पित क रहल छथि। ताहि लेल आब ओं मैथिलि फ़िल्म इंडस्ट्री म अपन सुरुवात क रहल छैथ फ़िल्म "अपन प्रेम" सँ, जेकर निर्देशक छैथ- नरेश मंडल आ राइटर छैथ- दिलीप कुमार शाह। एखन फ़िल्म केँ सूटिंग लेल स्थान ताकल जा रहल अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !