...
🕉️
✨ आगामी त्यौहार
माह शिवरात्रि
📅 11 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब अहाँ सब मिथिलावासी लेल नबका वेबसाइट पूर्ण रूपे तैयार अछि, आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

22 अग॰ 2014

आबि रहल ऐछ मैथिलि फ़िल्म 'विधाता'

मि ध., दरभंगा : नव मैथिलि भाखा फिल्म निर्माणक समाद सुनी केँ अहाँ सबकेँ बड़ आनन्द आबैत होयत, आनन्द दूना भ जाईत हैत जहन फ़िल्म सब तरहे सँ निमन बनैत ऐछ, जेना- शूटिंग, एक्टिंग, डायलॉग, गीत-संगीत, एडिटिंग आदि सब तरहे, अन्यथा फ़िल्म बनवै क प्रयोजन वैर्थ रहैत अछि।  

इहो जरूर पढ़ब :-




से एकटा ऑउर नवका मैथिलि फिल्मक सूटिंग एखन दरभंगा, बेनीपुर में चैल रहल अछि। जेही फ़िल्म नाम ऐछ "विधाता"। प्ले बैग इंटरनेशनल एंड मिडिया दिल्ली केँ बैनर तले बनी रहल नव मैथिलि फिल्म "विधाता" मिथिलांचलक एकटा सत्य घटना पर आधारित फ़िल्म अछि। फ़िल्म में एही क्षेत्रक महिला पर भ रहल अत्याचार आ ओहि पर रोक लगावै केँ आवाज बुलंद कैल गेल अछि। फ़िल्मक निर्देशक छैथ चंदन मिश्रा आ निर्माता संग लेखक छैथ संतोष पंडित। संगीत राहुल मिश्रा द्वारा देल गेल अछि। फ़िल्मक मुख्य नायक-नायिका क भूमिका में छैथ - अजित कर्ण, निशा झा, सुधा झा, अनिल पासवान, विकास बाबा क अलावा मनीष, जीतू उषा, पप्पू कुमार आदि। सम्भव अछि इ फ़िल्म दुर्गा पूजाक अवसर पर रिलीज होयत। एही फ़िल्मक निर्देशक चंदन मिश्रा एही सँ पूर्व मैथिलि फ़िल्म 'प्रेम प्रतिज्ञा', 'सेनुरक मोल बड़ अनमोल', 'घोघ में चांद' आदि हिनक द्वारा निर्देशित फ़िल्म प्रदर्शित भ चुकल अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »