सोमवार, 3 अक्तूबर 2016

माँ ज्वालामुखी भगवती स्थान, कसरौर, दरभंगा | Kasraur Bhagwati Mandir

दरभंगा : बिरौल अनुण्डल अन्तर्गत कसरौर गाम केर ज्वालामुखी भगवती ( Jwalamukhi Bhagwati Kasraur ) केर ख्याति दूर-दूर तक पसरल अछि। एतय श्रद्धालु सिमरिया सँ गंगाजल भैर कय मंदिर मे माँ ज्वालामुखी केँ अर्पण करैत छैथ। मैयाक दरबार मे निक मुन सँ जे भी मांगैत छैथ माता ओय सँ अधिक दैत छथीन। अही सब लेल लोक साल भैर एहि मंदिर मे भगवतीक स्थायी पिंडक पूजा करै लेल दूर-दूर सँ पहुंचैत छैथ।
स्थानीय बुजुर्ग सबहक कहबाक अनुसार सैकड़ों वर्ष पूर्व भगवती हिमाचल प्रदेश मे अनन्य भक्त उफरौल गांव केर लखतराज पांडेय नामक व्यक्ती केँ साक्षात दर्शन देलैथ आ वरदान मांगबाक लेल कहलैन। हिमाचल केर ज्वालामुखी दरबार मे सेवा कय रहला भक्त पांडेय हुनका सँ अपन गाम चलबाक याचना केलैन। माता हुनकर बात मानिकय हुनकहि संग चैल देलखिन।

इहो पढ़ब :-


लखतराज कसरर के जंगल सँ जा रहल छलैथ। बेसी समय धरि चलला पर थकान भेला सँ ओ एक ठाम बैसिकय सुस्ताए लगलाह। किछुए काल बाद ओ भगवती सँ गाम चलबाक आग्रह केलखीन। भगवती केँ कसरर वन केर सुंदरता आ स्वच्छताक बात कहि भक्त लखतराज पांडेय सँ हुनका ओत्तहि स्थापित कय पूजा-अर्चना लेल इच्छा प्रकट केलखीन। भगत पांडेय हुनका ओत्तहि स्थापित कयलखीन। तहिया सँ आसपास केर भक्त-श्रद्धालू लोकनि द्वारा मैया ज्वालामुखीक निरंतर पूजा-अर्चना ओहि निर्जन कसरर वन मे होमय लागल। कालांतर म यैह कसरर भगवतीक रूप मे सुविख्यात भेली। एकटा और खास बात इ अछि जे अहि गाम मे किनको घर मे भगवती के स्थापना नय कैल गेल अछि। गाउँ बला सभके सबटा शुभ काज चाहे शादी-बियाह होय या मुंड़न - उपनयन सबटा मां केर प्रांगण मे संपन्न होइत अछि।

इहो पढ़ब :-

भगवतीक माहात्म्य केर साक्षात उदाहरण यैह अछि जे हुनकर अनन्य भक्त शंभू बाबा (Shambhu Baba, Kasraur ) बिना अन्न-जल ग्रहण करैत आइ कतेको वर्ष सँ हुनक सेवा मे लागल छैथ। शंभू बाबा अपन एक छोट कुटी मे निरंतर यज्ञ अनुष्ठान कय रहला अछि। मान्यता आइयो कहैत अछि जे शंभू बाबा मे सिद्धिक वास अछि। ओ नित्य वायूमार्ग सँ सिमरिया पहुँचि ओतय सँ गंगाजल आनि भगवती ज्वालामुखीक विशेष पूजा-अर्चना करैत छथि। एक सिद्ध योगीक रूप मे शंभू बाबा जानल जाएत छथि। दूर-दूर सँ लोक मैयाक दर्शन करबाक लेल तऽ अबिते छथि, हुनका सबहक मोन मे शंभू बाबा केर दर्शन लेल सेहो ओतबे व्यग्रता देखल जाएछ।

8 टिप्‍पणियां:

  1. जय माँ ज्वालामुखी कसरौर वाली।

    जवाब देंहटाएं
  2. Maa jwalamukhi ki jai hum googl per search kaolin t googal kar madhyam saun darsan Vail mata saon man prassan Bailon hunkar sakshat darsan kahia hoyat abhilasha soch

    जवाब देंहटाएं

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !