...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

11 अक्टू॰ 2021

कुल देवता वीरभद्र अर्थात सोखा बाबा उत्पति के पौराणिक कथा - Sokha Baba History in Maithili

मिथिला धरोहर : कुल देवता के रूप मे विख्यात वीरभद्र अर्थात सोखा बाबा Kuldevta Sokha Baba के घरक कुनो कोन मे नियत स्थान पर स्थापित क पूजल जाइत छनि। मान्यताक अनुसार वीरभद्र अपन आराधक आ भक्त के कष्ट, विपता के सोइख लैत छथिन अहि कारणे हिनका सोखा बाबा नाम सं विख्यात छथिन। 


वीरभद्र (सोखा बाबा) उत्पति के पौराणिक इतिहास

सोखा बाबा के अध्यात्मिक उल्लेख 80 के दशक में लोधास निवासी पं. रामस्वरूप तिवारी द्वारा रचित 'सोखा चालिसा' मे भेटैत अछि। जाहिमे चालीस चौपाई मे पौराणिक साक्ष्य के संगे श्री वीरभद्र के उत्पति के चर्चा कैल गेल अछि। 

लिंग पुराण के अनुसार भगवान शिव केर अर्द्धांगिनी सत्ती के पिता छलखिन दक्ष प्रजापति। कुनो कारणवश ओ भगवान शिव सं नाराज रहैत छलथि।  एक बेरा ओ यज्ञ के अनुष्ठान केलथि। मुदा भगवान शिव के अपमानित करबाक नियत सं हुनका आमंत्रित नै देलखिन। देवता के यज्ञ मे जाइत देख देवी सत्ती पति शंकर भगवान सं जिज्ञासा जतेलथि। पिता द्वारा यज्ञ के आयोजन मे हुनका आ भगवान शिव के आमंत्रित नै करबाक बावजूद अपना संगे हुनको ओतय चलबाक जिद करय लगली। भगवान शंकर बिना बजायल जेबा सं मना कऽ देलखिन। बावजूद सत्ती के जिद पर शंकर जी जय-विजय नामक अपन दु टा गण के संग हुनका भेज देलखिन। पिता के यज्ञ मे निरादर भेटय सं आहत सत्ती ओतय यज्ञ कुंड मे भष्मीभूत भऽ के अपन देह त्याग देलखिन। एहिके सूचना भेटला पर भगवान शंकर क्रोधित भऽ गेलाह आ ओ अपन जटा के नाचाबय लगलऽखिन। सिर के जटा सं एकटा टूटल बाल सं वीरभद्र के अवतरण भेलनि। जे भगवान शंकर के इच्छा पर यज्ञ स्थल पर जा कऽ दक्ष के यज्ञ के विध्वंस कऽ देलखिन। 


इहो पढ़ब :-

● कंकाली मंदिर : दरभंगा


जाहिके साक्ष्य सोखा बाबा के मंदिर आ बक्सर जिलाक लोधास गाम स्थित सती कुंड अछि। उक्त कुंड एकटा पोखरीक रूप मे आयो अस्तित्व मे अछि। जाहिके तट पर सत्ती अर्थात मां दुर्गा के मंदिर स्थापित अछि। हरिद्वार के समीप जाहि 'कनखल' मे सोखा बाबा के अवतरित हेबाक बात कहल जाइत अछि ओ अपभ्रंश भऽ के आय कड़सर भऽ गेल अछि।


सोखा बाबा के कुल देवता के रूप मे किछ लोग प्रतीक स्वरूप अपन घरे मे हुनकर पूजा करैत अछि। मुदा पूरा देश मे दु जगह उतराखंड के कनखल आ बक्सर के कड़सर मे हिनकर मंदिर अछि।


इहो पढ़ब :- 

● दरभंगा के अहि स्कूल मे बच्चा निभावैत अछि गुरुकुल के पुरान परंपरा

बक्सर : सिद्धाश्रम के नाम सं विख्यात बक्सर के अहि पावन क्षेत्र के बखान पुराण मे ओहिना नै अछि। अहि वृत्त क्षेत्र मे कतेको एहन घटना घटल, जाहिके वर्णन विभिन्न धर्म ग्रंथ मे त भेटते कछि, मंदिर आ प्रतिमा के रूप मे साक्ष्य सेहो भेटय अछि। ओहि मे सं एक अछि इटाढ़ी प्रखंड के विक्रम इंगलिश पंचायत अंतर्गत कड़सर गामक ( Sokhababa Dham, Buxar, Kauresar ) पास स्थित सोखा धाम। जतय रूद्रावतार वीरभद्र के मंदिर अछि जे सूबे के इकलौता आ देशक दोसर वीरभद्र सोखा मंदिर अछि।

2 टिप्‍पणियां:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू