शुक्रवार, 28 अप्रैल 2023

माता सीता केर समर्पित ‘जानकी मंदिर’ जनकपुर, नेपाल

मिथिला धरोहर : नेपाल'क शहर जनकपुर विदेह राजा जनक के नगरी छलनि। एतय माँ जानकी केर विशाल मंदिर (  Janakpur Dham, Janakpur Mandir ) अछि। जनकपुर प्राचीन मिथिला राज्यक राजधानी छल। इ ओ पवित्र स्थान अछि, जाहिके धर्मग्रंथ, काव्य आ रामायण मे उत्कृष्ट वर्णन अछि। एतय स्थित जानकी मंदिर देवी सीता केर समर्पित अछि। एहि मंदिर के नौलखा मंदिरके नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि।
सीता माता केर समर्पित जानकी मंदिर जनकपुर बाजारक उत्तर-पश्चिम मे स्थित अछि। वर्तमान जानकी मंदिरक निर्माण टीकमगढ़ के महारानी वृषभानु कुंअरि जी द्वारा १९६७ मे कैल गेल छल। मंदिर दूर सँ देखबा मे कुनो महल सन लागैत अछि। मंदिर के मुख्य गर्भगृह मे माता जानकी, राजा रामचंद्र और लक्ष्मण जी केर प्रतिमा छनि। मंदिर के बाहर विशाल प्रांगण अछि।

इहो पढ़ब :-
झांकि मे सजल राम जन्म सँ जुड़ल कथा
मंदिरक अंदर २०१२ मे एकटा सुंदर गैलरी के निर्माण भेल, अहिमे राम जी केर जन्म सँ जुड़ल कथा झांकिक रूप मे देखल जा सकैत अछि। झांकिक संगे एतय मिथिला पेंटिंग के सुंदर संकलन अछि, जाहिमे रामकथाक कतेको प्रसंग अछि। झांकी मे माता सीता केर कैल जाय बला शृंगारक सामान सेहो देखल जा सकैत अछि। जनकपुर आबय बला श्रद्धालु मिथिला परिक्रमा सेहो करैत छथि, जाहिमे सीताजी सँ जुड़ल सब तीर्थ स्थल आबैत अछि। कहल जाइत अछि जे जनकपुर मे वैशाख शुक्ल नवमी के माँ जानकी केर अवतार भेल छलनि। अहि अवसर के जानकी नवमी के रूप मे मनायल जाइत अछि। जनकपुरक दोसर प्रमुख त्योहार विवाह पंचमी अछि। अहि दिन सीता जी के भगवान रामचंद्र जी सँ विवाह भेल छलनि। ओहि दिन इ मंदिर खूब सजायल जाइत अछि।
कोना पहुंचब जनकपुर
सीतामढ़ी सँ करीब ४१ कि० मी० उत्तर मे नेपालक तराई मे जनकपुर स्थित अछि। एतय पहुंचबाक सुगम रास्ता सीतामढ़ी शहर सँ अछि। सीतामढ़ी तक अहाँ रेलगाड़ी सँ पहुंच सकै छी। ओतय सँ बस द्वारा नेपालक सीमांत बाजार भिमोड़ और ओतय सँ बस द्वारा जनकपुर पहुंचल जा सकैत अछि। जनकपुर सँ नेपालक राजधानी काठमांडू के बस'क सफर १० घंटाक अछि।

इहो पढ़ब :-

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !