गुरुवार, 31 अगस्त 2023

भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार लिरिक्स - Bhola Baba Yo Puja Le Dai Chhi Hakar Lyrics

भोला बाबा यौ....
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला ले दै छी हकार, पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार

भूत प्रेत नही अनबै संग में
नही अनबै बैताल,
भूत प्रेत नही अनबै संग में
नही अनबै बैताल,
जटा बान्हि करबै भोला
जटा बान्हि करबै भोला
पातर गंगा धार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार

पार्वती के संग लेने एबै
कृपा के आधार,
पार्वती के संग लेने एबै
कृपा के आधार,
गणपति जी के बाबा संग एबै
गणपति जी के भोला संग एबै
करबै हम जय जयकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार

गरीबक घर मे जाय छी बाबा से 
रखबै मोन में बीचार,
गरीबक घर मे जाय छी बाबा 
रखबै मोन में बीचार,
जतबै जूरत ततबै करब हम
जतबै जूरत ततबै करब हम
सेबा ओ सत्कार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार

एकटा बात कहै छी भोला
नै करबै इनकार,
एकटा बात कहै छी भोला
नै करबै इनकार,
एक दिन टुटली मड़ैया सेबक के
एक दिन टुटली मड़ैया सेबक के
देखबै शिव सरकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
पूजा ले दै छी हकार, पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार
भोला बाबा यौ पूजा ले दै छी हकार

भोरे भोरे भांग पीबि क लिरिक्स - Bhore Bhore Bhang Pib Ke Lyrics

Bhore Bhore Bhang Pibi Ka Lyrics in Hindi

भोरे भोरे भांग पीबि कऽ कतय गेला त्रिपुररिया
भोरे भोरे भांग पीब के कतय गेला त्रिपुरिया
छोरल डमरू छाल मृग के
छोरल डमरू छाल मृग के
छोरल बसहा बरदिया
भोरे भोरे भांग पीबि कऽ कतय गेला त्रिपुररिया

सून सान सन भवन लगय यै
बसहा पेठ लगय यै हे
सून सान सन भवन लगय यै
बसहा पेठ लगय यै हे
साँझक पीसल भांग एखन धैर
एहिना सुखल परल छै हे
कोना के कटतय दिवस नै जानी
कोना के कटतय दिवस नै जानी
कोना के दिन दुपहरिया
भोरे भोरे भांग पीबि कऽ कतय गेला त्रिपुररिया

लाखक लाख जंजाल पोसल शिव
ओहिगर पुरुख एकौ नै हे
लाखक लाख जंजाल पोसल शिव
ओहिगर पुरुख एकौ नै हे
अपने ताले नाच रहल सब
काजक जोग एको नै हे
ककरा कहबै के जा सकतै
ककरा कहबै के जा सकतै
के लाओत खबरिया
भोरे भोरे भांग पीबि कऽ कतय गेला त्रिपुररिया

जून कानू जूनि दिया पटोटन
नही रुसल हरि हर छथ हे
जून कानू जूनि दिया पटोटन
नही रुसल हरि हर छथ हे
कहथिन नारद सुनु हे गौरी
भक्तक बस में शिव छथ हे
उगना बनीके कऽ रहल ओ
उगना बनीके कऽ रहल ओ
विद्यापति के चकरीया
भोरे भोरे भांग पीबि कऽ कतय गेला त्रिपुररिया

शनिवार, 26 अगस्त 2023

जिनगी इजोर भऽ गेलै लिरिक्स - Jingi Ijor Bh Gelai Lyrics

Jekra Par Takle Bhair Najariya Gai Lyrics 

जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै 
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै
जीबन उदास बुझ अन्हरिया गे
जीबन उदास बुझ अन्हरिया गे
एक पल में भोर भऽ गेलै
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै

मन विश्वास आश लऽ एलै
कियो नै एहन जे उदास गेलौ
मन विश्वास आश ल एलै
कियो नै एहन जे उदास गेलौ
सुनलै माँ... आ..आ..आ..,
सुनलै माँ सबहक अरजिया गे -
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै 

लाख कपूत शरण मे आयल
ममता सागर पाप धोआयल
लाख कपूत शरण मे आयल
ममता सागर पाप धोआयल
दुनिया माँ...आ..आ..आ..,
दुनिया माँ करै छौ तैं गहोरिया गे - 2
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै 

सेबक वैथित के कथा ई भवानी
सुखल नोर कतय जा कानी
सेबक वैथित के कथा ई भवानी
सुखल नोर कतय जा कानी
देखितौ हम....आ..आ..आ..,
देखितौ हम पूनम इजोरिया गे - 2
जिनगी इजोर भऽ गेलै 
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै,

जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै 
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै 
जीबन उदास बुझ अन्हरिया गे
जीबन उदास बुझ अन्हरिया गे
एक पल में भोर भऽ गेलै
जकरा तौं तकलैं भैर नजरिया गे
जिनगी इजोर भऽ गेलै

शुक्रवार, 25 अगस्त 2023

Ho Deenanath Lyrics, सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ लिरिक्स - छठि लोकगीत

Sona Sat Kuniya, Ho Deenanath He Ghoomichha Sansar Lyrics

सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछऽ संसार, हे घूमइछऽ संसार
सोना सट कुनिया, हो दीनानाथ
हे घूमइछऽ संसार, हे घूमइछऽ संसार

आन दिन उगइ छा हो दीनानाथ
आहे भोर भिनसार, आहे भोर भिनसार

आजू के दिनवा हो दीनानाथ
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर

बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा अन्हरा पुरुष, एकटा अन्हरा पुरुष

अंखिया दियेते गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर

बाट में भेटिए गेल गे अबला
एकटा बाझिनिया, एकटा बाझिनिया

बालक दियेते गे अबला
हे लागल एती बेर, हे लागल एती बेर

गुरुवार, 17 अगस्त 2023

सीताराम सँ मिलान कोना हैत - लिरिक्स

रचनाकार - विद्यापति

सीताराम सँ मिलान कोना हैत
रे अन्देशबा लागि रही
राधे-श्याम सँ मिलान कोना हैत
रे अन्देशबा लागि रही

पैरो सँ तीर्थ कहियो ने कयलऊँ
कलजोरि किछु ने दाने
मुख सँ राम कहियो ने रलटऊँ
मोरा मोन भरल गुमाने
रे अन्देशबा लागि रही
सीता राम सँ मिलान कोना हैत

हरी मिलत हैं बहुत भाग्य सँ
अधिक कठिनक बात
रे अन्देशबा लागि रही
कथी केर दीप कथी केर बाती
नरय लागत दिन राति
जारि गेल दीप मिझा गेल बाती
मुरख रहल पछताय
रे अन्देशबा लागि रही
सीता राम सँ मिलान कोना हैत रे
रे अन्देशबा लागि रही

अंगना में पोखरि खुनायल लिरिक्स - छठि पूजा लोकगीत | Angana Meh Pokhari Khunaayal Lyrics

Chhati Maiya Ayetan Aay

अंगना में पोखरि खुनायल
छठि मइया अयतन आइ

दुअरा पर तमुआ तनायल
छठि मइया अयतन आइ

अँचरा सऽ गलिया बहारब
छठि मइया अयतन आइ

केरबा के आनब डाला भरि
तै पर पियरी ओढ़ायब
छठि मइया अयतन आइ

हथिया पर कलशा बैसायब
तै पर दीया जगमगाय
छठि मइया अयतन आइ

अबिहैं हमरा खेत पर अही बहाने डेट पर लिरिक्स - Khet Par Date Par Lyrics

साग तोड़ैत तू सेल्फी लीहैं
साग तोड़ैत तू सेल्फी लीहैं
दऽ दीहैं तू नेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर

हमरा खेत में बथुआ लुबधल
लुबधल छै खेसारी गे
एत बैस कऽ रील बनबिहैं
भेटतौ लाईक भारी गे
हमरा खेत में बथुआ लुबधल
लुबधल छै खेसारी गे
एतऽ बैस कऽ रील बनबिहैं
भेटतौ लाईक भारी गे
जौं तू प्यार दऽ नै सकबैं
जौं तू प्यार दऽ नै सकबैं
लऽ जेबौ बुल्लेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर…

बथुआ सागक झोड़क संगे
खइहैं आलूक सन्ना तू
भेंट घांट हमरो सऽ हेतौ
अबिहैं केने बहन्ना तू
बथुआ सागक झोड़क संगे
खइहैं आलूक सन्ना तू
भेंट घांट हमरो सऽ हेतौ
अबिहैं केने बहन्ना तू
स्कुल में तोरा लीख कऽ देलियौ
स्कुल में तोरा लीख कऽ देलियौ
मोनक बात सिलेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर…

तोहर इंस्टाग्राम पर
बूलै छौ दरभंगिया गे
कहिया हम्मर आँगन ऐबैं
कनियाँ बनबैं कहिया गे
तोहर इंस्टाग्राम पर
बूलै छौ दरभंगिया गे
कहिया हम्मर आँगन ऐबैं
कनियाँ बनबैं कहिया गे
तोहर बाट प्रशांत तकै छौ
तोहर बाट प्रशांत तकै छौ
अबिहैं घऽरक गेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर
अबिहैं हमरा खेत पर
अही बहाने डेट पर

स्वर: दिलीप दरभगियाँ

शुक्रवार, 11 अगस्त 2023

कोन जल पटैबऽ मालिन बेली-चमेली लिरिक्स - छठि लोकगीत

Kon Jal Pateb Maalin Beli Chameli Lyrics

कोन जल पटैबऽ मालिन, बेली-चमेली
मालिन कोन जल पटैबऽ अड़हुल फूल

नदी जल पटेबै हे बरतिन, बेली-चमेली
बरतिन गंगाजल पटेबै अड़हुल फूल

कोन सूत गथबऽ मालिन, बेली-चमेली
मालिन कोन सुत गथबऽ अड़हुल

रेशम सुत गथबै बरतिन बेली-चमेली
बरतिन सोन सुत गथबै अड़हुल

किनका पहिरयबऽ हे मालिन बेली चमेली
मालिन किनका पहिरयबऽ अड़हुल फूल

सूर्य के पहिरयबनि बरतिन बेली-चमेली
बरतिन दीनानाथ पहिरयबनि अड़हुल फूल

गुरुवार, 3 अगस्त 2023

किया देर करै छी श्रीभवानी लिरिक्स | विद्यापति भगवती गीत

रचनाकार - विद्यापति

किया देर करै छी श्रीभवानी हम त बुद्धिक हीन हे माँ
दाँत झक-झक हँसछि खल-खल
मुख में पाकल पान हे माँ
दमसि बैसलि असूर दलमे काटथि मुण्ड हमार हे माँ
क्यों देर करती श्रीभवानी मैं तो बुद्धिक हीन हे माँ

बाम करकट लेल खप्पर
दहिना हाथ तलवार हे माँ
दमसि बैसलि असूर दलमे काटथि मुण्ड हमार हे माँ
क्यों देर करती श्रीभवानी मैं तो बुद्धिक हीन हे माँ

कहथि काली सुनू हे दुर्गे
अब त करीय उबार हे माँ
तीन लोक के मातु दुर्गा दिय अभय बरदान हे माँ
क्यों देर करती श्रीमवानी मैं तो बुद्धिक हीन हे माँ

बुधवार, 2 अगस्त 2023

चौरचन के चंदा सुहान लिरिक्स | चौरचन पूजा मैथिली गीत लिरिक्स

चौरचन के चंदा सुहान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान
घर अंगना हम नीक सं निपबै
घर अंगना हम नीक सं निपबै
पूजा के करबै ओरीयान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान
चौरचन के चंदा सुहान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान

छांछि मटकुरि में दही जमेबै
छांछि मटकुरि में दही जमेबै
डाली पर रखबै पकबान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान,
चौरचन के चंदा सुहान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान

केरा, नरियल मधुर मंगेबाई
केरा, नरियल मधुर मंगेबाई
सङ्गेह सुपारी आ पान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान,
चौरचन के चंदा सुहान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान

कल जोड़ी सब गोटे आशीष मंगबै
कल जोड़ी सब गोटे आशीष मंगबै
अंगना में आता भगवान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान,
चौरचन के चंदा सुहान गे बहिना
चौरचन के चंदा सुहान