अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
22 सित॰ 2024
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Putra Pradeep
/
तों नहि बिसरीहें गे माँ लिरिक्स - Tu Nai Bisarihen Lyrics
तों नहि बिसरीहें गे माँ लिरिक्स - Tu Nai Bisarihen Lyrics
तों नहि बिसरीहें गे माँ,
तों जे बिसरमे तऽ दुनिया मे पड़तै बौआए।
तोरा बेटा के तोरे टा आशा
तोरा बिना छैने ककरो भरोसा।
कोरा सं ने दिहें बइला,
तों जे बिसरमे तऽ दुनिया मे पड़तै बौआए।
केतबो अनठेमे पछोड़ नहि छोड़बउ,
तोरे चरण मे सिनेह अपन जोड़बउ।
बे बुझ मे दिहे बुझा,
तों जे बिसरमे तऽ दुनिया मे पड़तै बौआए।
स्वारथ भरल संसारे इ सगरो,
कियो ने कानब सुनइ छै ककरो।
जाइक ने प्रदीपो मिझा,
तों जे बिसरमे तऽ दुनिया मे पड़तै बौआए।
रचनाकार: मैथिली पुत्र प्रदीप (प्रभुनारायण झा)
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/chalu-chalu-bahina-hakar-purai-le-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/jagdamb-samharu-patit-jan-ke-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !