अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
22 सित॰ 2024
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Putra Pradeep
/
चलु चलु बहिना हकार पुरै ले लिरिक्स - Chalu Chalu Bahina Hakar Purai Le Lyrics
चलु चलु बहिना हकार पुरै ले लिरिक्स - Chalu Chalu Bahina Hakar Purai Le Lyrics
चलु चलु बहिना हकार पूरै ले,
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
लटका चड़ा छै नौ कुरा
पाकल केरा सात चंगेरा
छाल्ही बला दही तँ करेजा कटैए।
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
माटिक सांप बनल छै करिया
मैनाक पात पिठारक थरिया
बीच मे सिंदूरक ठोप सोभैए।
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
कानियाँ माइ के घुघना लटकल
पातिलक चाउर एलइ बिनु फटकल
सासुक कोढ़ बड़ कठोर छलैए।
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
भरी पनपथिया जाहि - जूही
कथा कहथि से होइ छथि कुही
बिध मे मटकुरी बड़ छोट एलैइए।
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
उथल पुथल मे छथि बिधकरी
दीपक टेमी सटेलन्हि धरि
टुन्नी दाइ के आँखि सं नोर झड़ैए।
टुन्नी दाइक बर एलय टेमी दागैले।
रचनाकार: मैथिली पुत्र प्रदीप (प्रभुनारायण झा)
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/pahiri-lal-sadi-uparai-khesari-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/tu-nai-bisarihen-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !