रविवार, 1 फ़रवरी 2015

घर पछुअरबामे लौंग केर गछिया लिरिक्स Ghar Pachhuarbaame Laung Ker Gachhiya

Ghar Pachhuarbaame Laung Ker Gachhiya - मैथिली बाराती गीत

घर पछुअरबामे लौंग केर गछिया
ताहि तर फल्लां दुलहा ठाढ़ हे
केओ अरेखनि केओ परेखनि
केओ पुछनि निज बात हे
माय अरेखनि बाबू परेखनि
काका पुछनि निज बात हे
किए तोरा आहे बाबू बाजन थोर भेल
किए भेल कम बरिआत हे
नहि मोरा आहे काका बाजन थोर भेल
नहि मोरा कम बरिआत हे
गंगाक ओहि पार बसथि बहिनियाँ
बहिनि के दीअ ने मंगाय हे
अओतीह बहिनियाँ छेकती मोर छुअरिया
पूरि जायत मन-अभिलास हे ....

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !