गुरुवार, 3 अक्तूबर 2024

केहेन शुभ दिन अछि ई माँ लिरिक्स - Kehen Shubh Din Achhi Ee Maa Lyrics

केहेन शुभ दिन अछि ई माँ
एलौं आहाँ हमर अंगना

एक दिस मुस्काबथि माँ लक्ष्मी,
गुन-गुन गावथी मातु सरस्वती,
धैल संग दु टा ललना,
केहेन शुभ दिन अछि ई माँ

प्रथमेहि हिनकर चरण पखारब,
आँचर सं कुश के आसन झारब,
देबैन नबेद थार भरी ना,
केहेन शुभ दिन अछि ई माँ

अहाँ के पुजारी बनी माँ शेरावालि,
भरी लिय सबटा दोख हे काली,
रंग दिय भक्ति मोन रँगना,
केहेन शुभ दिन अछि ई माँ

भाओल जिनका अहाँ के भक्ति,
देलौं ज्ञानक वर हे माँ शक्ति,
पावन ओ दर्शन एहि जग ना,
केहेन शुभ दिन अछि ई माँ

गीतकार: मोहन दर्शन
स्वर: रजनी पल्लवी

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !