अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
15 सित॰ 2023
Home
/
Chhath Puja Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
केरबा जे फड़ल छै घौद सँ लिरिक्स - छठि पूजा लोकगीत | Kerba Je Fadal Chhai Ghaudsan Lyrics
केरबा जे फड़ल छै घौद सँ लिरिक्स - छठि पूजा लोकगीत | Kerba Je Fadal Chhai Ghaudsan Lyrics
केरबा जे फड़ल छै घौद सँ
ओइ पर सूगा मड़राय
मारबौ रे सुगबा धनुखस
सूगा खसय मुरुझाय
सुगनी जे कानय विरोग सँ
आदित होउ ने सहाय
नेमुआँ जे फड़ल छै घौद सँ
ओइ पर सूगा मड़राय
मारबौ रे सुगबा धनुख सँ
सूगा खसय मुरुझाय
सुगनी जे कानय विरोग सँ
आदित होउ ने सहाय
काँचहि बाँस केर बँहिगा
ओइ मे रेशमक डोर
भरिया से फल्लाँ भरिया
भार नेने जाइ छै
बाटहि पुछै बटोहिया
ई भार किनकर जाइ
आन्हर छही रे बटोहिया
ई भार छठि माइ के जाइ
ई भार दीनानाथ के जाइ
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/07/hanumant-apnahi-sa-ayla-mandir-ghar-me.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/09/garu-daau-bar-neek-aahan-ke-bhagy-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !