अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 अक्टू॰ 2024
Home
/
Durga Bhajan
/
Madhav Rai
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
मोन भैर माँ नै देखलौं लिरिक्स - Mon Bhair Maa Nai Dekhlau Lyrics
मोन भैर माँ नै देखलौं लिरिक्स - Mon Bhair Maa Nai Dekhlau Lyrics
मोन भैर माँ नै देखलौं,
सुनलऊ जे चलि जेबैं,
मोन भैर माँ नै देखलौं,
सुनलऊ जे चलि जेबैं,
एक आस माँ आहीं स कहू हम कोना क जीबै,
मोन भैर माँ नै देखलौं…
आहां बिना हे अम्बे कोना क दिन बितेलौं,
पाथर बनल हे जननी एको बेर घुरी ने देखलौं,
आहां बिना हे अम्बे कोना क दिन बितेलौं,
पाथर बनल हे जननी एको बेर घुरी ने देखलौं,
पोरे स हम कनै छी आरो कते कनेबै,
एक आस माँ आहीं स कहू हम कोना क जीबै,
मोन भैर माँ नै देखलौं…
कियो कहै या टुअर कियो कहै ये पगला,
आहां के रहितो जननी बुझैये जग अभगला,
कियो कहै या टुअर कियो कहै ये पगला,
आहां के रहितो जननी बुझैये जग अभगला,
माधव के दुःख में छोइर आहां कोना क जेबै,
एक आस माँ आहीं स कहू हम कोना क जीबै,
मोन भैर माँ नै देखलौं…
कालिया के दिश तकलियै कालिदास नाम देलियै,
हम केलौं कोन गलती सब दिन आहां ठकलियै,
कालिया के दिश तकलियै कालिदास नाम देलियै,
हम केलौं कोन गलती सब दिन आहां ठकलियै,
कोना रहत रमेंद्र अहि बेर छोरि जे जेबै,
एक आस माँ आहीं स कहू हम कोना क जीबै,
मोन भैर माँ नै देखलौं.
स्वर : माधव राय
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/he-jagjanani-he-dayamayi-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/jai-shiv-priye-shankar-priye-song-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !