शनिवार, 6 दिसंबर 2025

राजा हेमंत घर गौरी जनम लेल लिरिक्स - Raja Hemant Ghar Gauri Janam Lel Lyrics

मैथिली विद्यापति शिव विवाह गीत 

राजा हेमंत घर गौरी जनम लेल, 
शिव लेल अंगुरी धराए 

आँगूरी पकरि शिव कहाँ नेने जाय छियैन
कहाँ देबैन गौरी के बैसाय,

बसहा के पीठ शिव डोलिया बनौलनि
बाघम्बर देलनि ओढाय

मिलि लियौ मिलि लियौ सखी सब मिल लियौ
आब गौरी होयती बेजोड़

धन्य ही विद्यापति सुनु हे मनाईन
इहो थिका जगत व्यवहार 


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !