अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
12 अग॰ 2025
Home
/
Maithili Chahatgar Geet
/
Ravindra Nath Thakur
/
सुन सुन सुन पनभरनी गे लिरिक्स - Sun Sun Sun Panibharani Ge Lyrics
सुन सुन सुन पनभरनी गे लिरिक्स - Sun Sun Sun Panibharani Ge Lyrics
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक,
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक,
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक,
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक..,
कांचे बयस छौ, कलश बड़ भारी
कांचे बयस छौ, कलश बड़ भारी
कनिये समहाइर चल भीजै ने साड़ी
हम छी पियासल बटोही गे
कनी घुरियो के ताक,
हम छी पियासल बटोही गे
कनी घुरियो के ताक,
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक
भोरे मखानक पात लै अबिहें
भोरे मखानक पात लै अबिहें
ओहिसँ पोइछ मूँह फेर काइल अबिहें
ओहिसँ पोइछ मूँह फेर काइल अबिहें
मालिक के हम बहीकिरणी रे
बाज रैह के पराय
मालिक के हम बहीकिरणी रे
बाज रैह के पराय
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक,
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक,
पुरनी जहाज तोर नैन कजरायल
पुरनी जहाज तोर नैन कजरायल
काजर के रेख में बिजुरी नुकायल
काजर के रेख में बिजुरी नुकायल
केशो सधल घन कारी गे
कनी घुरियो के ताक,
केशो सधल घन कारी गे
कनी घुरियो के ताक,
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक
चुप रह छौरा बटोहिया रे
बड़ भेलै चालक
पुरुसक प्रीत जेना कागज नइया
पुरुसक प्रीत जेना कागज नइया
भीजल तऽ गोबर आ सूखल तऽ रुईया
भीजल तऽ गोबर आ सूखल तऽ रुईया
मरबे तऽ मैर जो पियासल रे
घुइर दोसर के ताक
मरबे तऽ मैर जो पियासल रे
घुइर दोसर के ताक
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक,
सुन सुन सुन पनिभरनी गे
कनी घुरियो के ताक।
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/08/aam-jaam-mahuaa-aa-neemak-majar.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/08/Chauth-chandr-festival.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !