बुधवार, 31 अगस्त 2016

मिथिलाक लोक पर्व चौरचन आ हरितालिका तीज 4 सितम्बर के

मिथिलाक चौरचन (चौठचंद्र) पावनि आ संगे हरितालिका तीज 4 सितम्बर के मनायल जायत। तीन सितम्बर दिनक साढ़े तीन बजे सँ तृतीया लगी जायत। एही दिन दिनक 2:25 बजे सँ हस्ता नक्षत्र सेहो प्रारंम्भ भ रहल अछि, जे 4 सितम्बर के साँझ 4 बाजीके 18 मिनट धरि रहत। शैनदिन उदया तिथि मे तृतीया नय भेटवाक कारण रैवदिन के इ पावनि मनायल जा रहल अछि। रैवदिन के तृतीया साँझ 4:52 बजे तक अछि।


ताहिलेल व्रत धारि के एही समय सँ पहिले पावनि पूजा करय परत। कियाकि एहीके उपरांत सँ चौठ लगी जायत। एही दिन साँझ मे चौठ भेटवाक कारण चौरचन पावनि रैवदिन साँझ के मनायल जायत। एही दिन गणेश चतुर्थी व्रत सेहो अछि।

4 के साँझ मे मनत मिथिलाक लोक पर्व चौठ चंद्र : 4 सितम्बर के साँझ मे मिथिलाक लोक पर्व चौरचन मनायल जायत। सूर्यास्तक उपरांत चंद्रमा के अर्घ्य देल जेतनी। एहीके लेल घरक अांगना या छत पर ठांव कयल जाइत अछि गोरिया (चिकनी) माटि सँ, तखन ओहि  पर चाउरक पिठार सँ भिन्न-भिन्न प्रकारक अरिपन उरेहल जायत अछि। भगवान केर प्रसाद स्वरूप घर मे बनल पिरुकिया, टिकुरी, खीर, पूड़ीक अलावा दही फल आ पान सुपारी आदि सँ अर्घ्य देल जायत। एही बेरा जे व्रतधारी दुनु व्रत करय छथि हुनका सोमदिन के पारण करय परत। कियाकि तीज के पारण अगिला दिन होयत।
मैथिली अनुवाद : प्रभाकर मिश्रा, स्रोत : प्रभात खबर

शुक्रवार, 26 अगस्त 2016

मिथिलाक राजा सलहेस के कथा पर बनत फिल्म

मिथिलाधरोहर, प्रभाकर मिश्रा : नेपालक राजधानी काठमाडौं मे सोमदिन एकटा कार्यक्रमक बीच मिथिलाक राजा सलहेस केर शीर्ष कथा 'सलहेसः द पिपुल्स हिरो' नामक फिल्म निर्माण करवाक घोषणा कैल गेल अछि।

भोर कम्पनी प्रा०लि० बैनरक आधीन बनी रहल फिल्मक प्रमुख पात्र सलहेस मिथिला केर राजा जनक जी केर उपरांत प्रादुरभाव भेल छलथि से मानल जाइत अछि। हिनका दुसाध समुदायक लोग पहिले अपन भगवानक रुप मे  पूजनाय सुरु केलक। 



फिल्म के निर्देशन क रहल छथि अमितेश साहले। हिनक इ पहिल फिल्म अछि। दिल्ली स्थित एशियन एकेडेमी अफ फिल्म एण्ड टेलिभिजन सँ पढ़ाई केनिहार अमितेश सन् 2000 सँ अडियो–भिज्युअल मिडिया मे कार्यरत छथि। 60 गोट नाटकक निर्देशन करवाक संगे सर्ट फिल्म 'कमला' सेहो बनने छथि। इ फिल्म अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव अवार्ड सेहो जितने अछि।

करिब तीन करोड अनुमानित बजट राखय वला एही फिल्मके छायांकन नेपालक धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, चितवन संगे भारतक किछु स्थान पर सेहो होयत से जानकारी अछि।  एक वर्षक भीतर फिल्म रिलिज करवाक योजना अछि। एही फिल्म केर अन्तराष्ट्रिय फिल्म महोत्सव मे देखेबाक उद्देश्य सेहो अछि।

फिल्ममा कथा डा. राजेन्द्र विमल, संवाद महेन्द्र मलगिंया के छन्हि, शाह केर पटकथा निर्देशक मे बनि रहल एही फिल्म के तीनटा भाषा मैथिली, नेपाली आ इंग्लिश मे बनेबाक बात कहल गेल अछि।

रविवार, 14 अगस्त 2016

दुर्गापूजा पर रिलीज़ होयत मैथिली फिल्म 'राखी के लाज'

मिथिला धरोहर - प्रभाकर मिश्र : समस्तीपुर के आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस बैनरक अधीन बनल भाए-बहिन केर अटूट प्रेम पर आधारित मैथिली फिल्म "राखी के लाज" के शूटिंग सफलता पूर्वक सम्पन्न क लेल गेल अछि। एहि सिनेमाक शूटिंग 27 अक्टूबर 2015 सँ शुरू कायल गेल छल। स्थानीय कलाकारक अभिनय सं सजल एहि फिल्म के एही साल दुर्गा पूजाक शुभ अवसर पर प्रदर्शित कयल जेवाक बात कहल गेल अछि। 


भाए-बहिन’क प्रेम आ नारी सशक्तिकरण पर आधारित एहि फिल्म के निर्देशित क रहल छथि समस्तीपुर जिला'क शिवाजीनगर प्रखण्ड के दसौथ गामक निवासी नरेश मण्डल जे फिल्म निर्देशन क्षेत्र मे बहुते अनुभव राखय छथि। एहि फिल्मक कहानी लिखने छन्हि आशुतोष सागर आ हिनके लिखल गीत के संगीत सं सजऔने छथि प्रमोद, रोहित, मनीश, छायांकन पवन मिश्रा के छन्हि। सह-निर्देशक खुशी यादव, आ कार्यकारी निर्माता छथि राम रसिला आ प्रोडक्शन के हैड छथि प्रभात रॉय। फिल्म मे मुख्य कलाकारक रूम मे अभिनय क रहल छथि राम रसीला, आशुतोश सागर, कंचन सिंह , मंजू दुबय आदि। समाज मे नारी पर भ रहल अत्याचार'क खिलाफ नारी सशक्तिकरण के किरदार के कर्णप्रिय गीत-संगीतक संग एहि फिल्मक माध्यम सं मैथिली भाषा मे लोगक बीच पहुचेबाक प्रयास कयल गेल अछि। सिनेमाक लगभग 90 प्रतिशत शूटिंग मिथिला समस्तीपुर,मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि स्थान पर भेल अछि।