अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
14 अग॰ 2016
दुर्गापूजा पर रिलीज़ होयत मैथिली फिल्म 'राखी के लाज'
मिथिला धरोहर - प्रभाकर मिश्र : समस्तीपुर के आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस बैनरक अधीन बनल भाए-बहिन केर अटूट प्रेम पर आधारित मैथिली फिल्म "राखी के लाज" के शूटिंग सफलता पूर्वक सम्पन्न क लेल गेल अछि। एहि सिनेमाक शूटिंग 27 अक्टूबर 2015 सँ शुरू कायल गेल छल। स्थानीय कलाकारक अभिनय सं सजल एहि फिल्म के एही साल दुर्गा पूजाक शुभ अवसर पर प्रदर्शित कयल जेवाक बात कहल गेल अछि।
इहो जरूर पढ़ब :-
भाए-बहिन’क प्रेम आ नारी सशक्तिकरण पर आधारित एहि फिल्म के निर्देशित क रहल छथि समस्तीपुर जिला'क शिवाजीनगर प्रखण्ड के दसौथ गामक निवासी नरेश मण्डल जे फिल्म निर्देशन क्षेत्र मे बहुते अनुभव राखय छथि। एहि फिल्मक कहानी लिखने छन्हि आशुतोष सागर आ हिनके लिखल गीत के संगीत सं सजऔने छथि प्रमोद, रोहित, मनीश, छायांकन पवन मिश्रा के छन्हि। सह-निर्देशक खुशी यादव, आ कार्यकारी निर्माता छथि राम रसिला आ प्रोडक्शन के हैड छथि प्रभात रॉय। फिल्म मे मुख्य कलाकारक रूम मे अभिनय क रहल छथि राम रसीला, आशुतोश सागर, कंचन सिंह , मंजू दुबय आदि। समाज मे नारी पर भ रहल अत्याचार'क खिलाफ नारी सशक्तिकरण के किरदार के कर्णप्रिय गीत-संगीतक संग एहि फिल्मक माध्यम सं मैथिली भाषा मे लोगक बीच पहुचेबाक प्रयास कयल गेल अछि। सिनेमाक लगभग 90 प्रतिशत शूटिंग मिथिला समस्तीपुर,मधुबनी, दरभंगा, सहरसा आदि स्थान पर भेल अछि।
Tags
Entertainment
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/dekhalhun-ne-sunalahun-jamay-he-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/kamini-kare-sanane-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Entertainment
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !