...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

26 अग॰ 2016

मिथिलाक राजा सलहेस के कथा पर बनत फिल्म

मिथिलाधरोहर, प्रभाकर मिश्रा : नेपालक राजधानी काठमाडौं मे सोमदिन एकटा कार्यक्रमक बीच मिथिलाक राजा सलहेस केर शीर्ष कथा 'सलहेसः द पिपुल्स हिरो' नामक फिल्म निर्माण करवाक घोषणा कैल गेल अछि।

भोर कम्पनी प्रा०लि० बैनरक आधीन बनी रहल फिल्मक प्रमुख पात्र सलहेस मिथिला केर राजा जनक जी केर उपरांत प्रादुरभाव भेल छलथि से मानल जाइत अछि। हिनका दुसाध समुदायक लोग पहिले अपन भगवानक रुप मे  पूजनाय सुरु केलक। 



फिल्म के निर्देशन क रहल छथि अमितेश साहले। हिनक इ पहिल फिल्म अछि। दिल्ली स्थित एशियन एकेडेमी अफ फिल्म एण्ड टेलिभिजन सँ पढ़ाई केनिहार अमितेश सन् 2000 सँ अडियो–भिज्युअल मिडिया मे कार्यरत छथि। 60 गोट नाटकक निर्देशन करवाक संगे सर्ट फिल्म 'कमला' सेहो बनने छथि। इ फिल्म अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव अवार्ड सेहो जितने अछि।

करिब तीन करोड अनुमानित बजट राखय वला एही फिल्मके छायांकन नेपालक धनुषा, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, चितवन संगे भारतक किछु स्थान पर सेहो होयत से जानकारी अछि।  एक वर्षक भीतर फिल्म रिलिज करवाक योजना अछि। एही फिल्म केर अन्तराष्ट्रिय फिल्म महोत्सव मे देखेबाक उद्देश्य सेहो अछि।

फिल्ममा कथा डा. राजेन्द्र विमल, संवाद महेन्द्र मलगिंया के छन्हि, शाह केर पटकथा निर्देशक मे बनि रहल एही फिल्म के तीनटा भाषा मैथिली, नेपाली आ इंग्लिश मे बनेबाक बात कहल गेल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »