मंगलवार, 4 फ़रवरी 2020

कनियाँ मनायब काल के गीत - मैथिली लोकगीत

१. अवधपुर शोभा बड़ी - Maithili Lokgeet

अवधपुर शोभा बड़ी, 
सिया रुसि रहली
ककरा हाथ गुलाब छड़ी, 
ककरा मारल तीन छड़ी
रामजी के हाथ गुलाब छड़ी, 
सीता के मारल तीन छड़ी
ताही लए सीता रुसि रहली, 
राम मनाओल बांहि धरी
लछुमन मनाओल पयर धरी, 
उठू उठू सीता होउ ठाढ़ी
जे अरजब सभ देब तोंही

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !