ब्राह्मण बाबू यौ कनियो कनियो होइयौ ने सहाय
पहिने मंगई छी ब्राह्मण
भाई भतिजवा ब्राह्मण बाबू यौ
उजड़ल नैहर दियौ ने बसाय
ब्राह्मण बाबू यौ कनियो कनियो होइयौ ने सहाय
तखने मंगई छी ब्राह्मण
सिर के सिंदुरवा ब्राह्मण बाबू यौ
कुमर पद दियौ ने छोड़ाय
ब्राह्मण बाबू यौ कनियो कनियो होइयौ ने सहाय
तखने मंगई छी ब्राह्मण
गोदी भरी बालक ब्राह्मण बाबू यौ
बाझिन पद दियौ ने छोड़ाय
ब्राह्मण बाबू यौ कनियो कनियो होइयौ ने सहाय
तखने मंगई छी ब्राह्मण
अन्न धन लक्ष्मी ब्राह्मण बाबू यौ
दरिद्र पद दियौ ने छोड़ाय
ब्राह्मण बाबू यौ कनियो कनियो होइयौ ने सहाय

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !